नई दिल्ली: राजधानी दिल्ली मे बुधदिन नागरिकता संशोधन अधिनियम (CAA ) केँ तहत नागरिकता प्रमाणपत्रक पहिल सेट 14टा शरणार्थी केँ सौंपल गेल। केंद्रीय गृह सचिव अजय कुमार भल्ला इ प्रमाणपत्र हुनका सभ केँ सुपुर्द कयलनि । एहि सँ पाकिस्तान, अफगानिस्तान आ बांग्लादेश सँ गैर मुस्लिम आप्रवासी क’ भारतीय राष्ट्रीयता देबाक प्रक्रिया शुरू भ’ गेल। गृह मंत्रालय एहि संबंध मे जानकारी देलक अछि।
एहि साल 11 मार्च सँ देश मे नागरिकता संशोधन कानून लागू भेल छल । नागरिकता संशोधन विधेयक 2019 संसदद्वारा पारित भेल अछि । बाद मे एहि विधेयक केँ राष्ट्रपति केँ मंजूरी भेटल। CAA केँ माध्यम सँ पाकिस्तान, बांग्लादेश आ अफगानिस्तान सँ हिन्दू, सिख, जैन, बौद्ध, पारसी आ ईसाई समुदाय सँ संबंधित अल्पसंख्यक केँ भारतीय नागरिकता भेटब आसान भ’ जाएत।
Trending Now

CAA केँ अन्तर्गत नागरिकता प्रमाण पत्र 14 गोटेके देल गेल, गृह मन्त्रालय जानकारी देलक साझा केलक अछि
-