spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिCBI डीआरएम सहित रेलवे के 4 वरिष्ठ अधिकारी के केलक गिरफ्तार

CBI डीआरएम सहित रेलवे के 4 वरिष्ठ अधिकारी के केलक गिरफ्तार

-

नई दिल्ली/ केन्द्रीय अन्वेषण ब्यूरो (सीबीआई) गुंटकल रेलवे डिवीजनक डीआरएम आ अन्य वरिष्ठ अधिकारीसभकेँ भ्रष्टाचारक आरोपमे गिरफ्तार कयलक अछि। गिरफ्तार अधिकारीसभमे गुंटकल डीआरएम विनीत सिंह सेहो शामिल छथि। सीबीआई आगू पूछताछक लेल हुनक हिरासतक माँग कऽ रहल अछि।

भ्रष्टाचार पर एकटा महत्वपूर्ण कार्रवाईमे केन्द्रीय अन्वेषण ब्यूरो (सीबीआई) दक्षिण मध्य रेलवेक गुंटकल डिवीजनक पाँचटा वरिष्ठ अधिकारीकेँ गिरफ्तार कयलक अछि। गिरफ्तार अधिकारीक पहिचान गुंटकल डिवीजनल रेलवे मैनेजर (डीआरएम) विनीत सिंह, वरिष्ठ मंडल वित्त प्रबंधक कुंदा प्रदीप बाबू, वरिष्ठ मुख्य अभियंता (ट्रैक) यू अक्की रेड्डी, कार्यालय अधीक्षक (इंजीनियरिंग अनुभाग) एम बालाजी आ खाता सहायक (गति शक्ति कार्यालय) डी लक्ष्मी पाथी राजू के रूप मे भेल अछि।

ई गिरफ्तारी नई दिल्ली स्थित सीबीआईक भ्रष्टाचार निरोधक इकाई द्वारा शुरू कयल गेल जाँचसँ शुरू कयल गेल छल। ४ जुलाईकेँ दर्ज मामलामे भ्रष्टाचार निवारण अधिनियम आ अन्य प्रासंगिक धाराक अन्तर्गत आरोप लगाओल गेल अछि। सीबीआइक डीएसपी जय कुमार भारतीयक अनुसार, गिरफ्तार अधिकारीसभकेँ आगू पूछताछक लेल हिरासत मे लेल गेल अछि। सीबीआई आश्वासन देलक अछि जे ई जाँच रेलवे डिवीजनक भीतर भ्रष्टाचारकेँ जड़ सँ उखाड़ि दैत रहत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts