लहरि रूम: वर्ष 2024 केँ CBSE 10 वीं परीक्षाक परिणाम 13 मई 2024 क’ घोषित कयल गेल। झारखण्ड केँ बोकारो जिला केँ सेक्टर – 4 स्थित दिल्ली पब्लिक स्कूल (DPS -BOKARO) केँ छात्र अमोघ आनंद झा (कक्षा – 10 – सीबीएसई – डीपीएस बोकारो केँ छात्र) केँ 98% अंक प्राप्त भेलनि अछि । चि. अमोघ, डॉ० निरुपमा झा एवं श्री सुनील आनंद झा केँ पुत्र छथि। मूलतः अमोघ आनंद झा मधुबनी जिला केँ रांटी ग्राम केँ रहय वला छथि। हिनक माता डॉ० निरुपमा झा केँ राष्ट्रीय शिक्षक पुरस्कार 2020 हेतु राष्ट्रपति द्वारा सम्मानित कयल गेल छनि। चि. अमोघ केँ एहि तरहक उपलब्धि देख गाम, समाज आ संगहि सम्पूर्ण देश गौरवान्वित होइत अछि। चि. अमोघ केँ एहि उपलब्धि पर समस्त लहरि परिवार केँ तरफ सँ बधाई आओर उज्जवल भविष्य केँ कामना।
Trending Now
CBSE 10 वीं परीक्षा मे 98 % अर्जित कयला : ‘रांटी’ (मधुबनी) केँ ‘अमोघ’
-

