spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिCBSE Board Exam:: सीबीएसई बोर्ड परीक्षा साल मे दू बेर होयत :...

CBSE Board Exam:: सीबीएसई बोर्ड परीक्षा साल मे दू बेर होयत : केंद्र सँ स्वीकृति भेटल, योजना 2025-26 सँ लागू होयत !

-

CBSE Board Exam: मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि ,साल मे दू बेर 10म आ 12वीं कक्षाक बोर्ड परीक्षा करबाक योजना पर सहमति भ’ गेल अछि। केंद्र अगिला सत्र 2025-26 सँ सीबीएसई मे एहि नव पैटर्न केँ लागू करबाक तैयारी मे अछि। नबका पैटर्न केँ पहिल बोर्ड परीक्षा जनवरी 2026 मे आ ओही सत्र केँ दोसर परीक्षा अप्रैल 2026 मे होएत।

विद्यार्थी बेहतर रिजल्ट तक पहुंच सकैत छथि
छात्र केँ दुनू परीक्षा मे शामिल हेबाक विकल्प भेटत। छात्र चाहथि त’ दुनू या कोनो एकटा परीक्षा मे अपन सुविधानुसार बैसि सकैत छथि। दुनू परीक्षा देबय वाला छात्र बेहतर प्रदर्शन केँ लेल रिजल्ट के इस्तेमाल क’ सकैत छथि। नव सिलेबस केँ किताब आबय मे 2 साल लागत। नव पोथी केँ आगमन कें बाद 8वीं, 10वीं आ 12वीं के लेल नव किताब सत्र 2026-27 सँ उपलब्ध होयत।

शिक्षा मंत्रालय 3 विकल्प देने छल, 2 मना क’ देल गेल

पहिल : उच्च शिक्षा केँ सेमेस्टर सिस्टम के तरह सालक प्रत्येक सेमेस्टर केँ अंत मे आधा सिलेबस केँ परीक्षा लेल जेबाक चाही जे सितंबर आ मार्च मे होबाक चाही।
दोसर : जहिना मार्च-अप्रैल केँ बोर्ड परीक्षा केँ बाद जुलाई मे पूरक परीक्षा होइत अछि तहिना ओहि समय पूरक केँ जगह पूर्ण बोर्ड परीक्षा होबाक चाही।
तेसर : जेना जेईई मेन्स केँ परीक्षा जनवरी आ अप्रैल मे दू बेर होइत अछि तहिना पूरा सिलेबस केँ बोर्ड परीक्षा सेहो जनवरी में एक बेर आ अप्रैल में दोसर बेर होबाक चाही।

10 हजार सँ बेसी स्कूल प्रिंसिपल सँ सुझाव लेल गेल
मंत्रालय केँ स्कूल शिक्षा विभाग देश भरि मे 10 हजार सँ बेसि स्कूल प्रिंसिपल केँ संग ऑनलाइन आओर साक्षात् बैसार क’ मे एहि पर सुझाव लेलक अछि। अधिकांश प्रिंसिपल तेसर विकल्प पर सहमत छथि। सेमेस्टर सिस्टम केँ अधिकांश प्रिंसिपल खारिज क’ देलनि। स्कूल केँ प्राचार्य आओर प्रधानाध्यापक लोकनि सँ अपन विचार लिखित रूप मे प्रस्तुत करबाक लेल कहल गेल अछि।

2025-26 मे पुरान सिलेबस पर परीक्षा होयत
नव सिलेबस पर आधारित क्लास 10 आ 12 केँ किताब आबय मे 2 साल लागत। ई पुस्तक सब 2026-27 केँ सत्र मे उपलब्ध होयत। अतः 2025-26 केँ बोर्ड परीक्षा केवल पुरान सिलेबस आ किताब पर होयत। एहि सँ छात्र के नवका पैटर्न सँ सहज भ’ सकय लेल पर्याप्त समय भेटत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts