CBSE के दूटा बोर्ड (10 वीं) परीक्षा के मंजूरी भेंट गेल अछि। वर्ष 2026 सँ के दसवीं कक्षा मे दूटा बोर्ड परीक्षा के नियम लागू होएत….

लहरि रूम (रांची) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे केंद्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्ड (सीबीएसई) अगिला साल यानी 2026 सँ एक वर्ष मे दूटा बोर्ड परीक्षा आयोजित करत।एहि कें स्वीकृति भेट गेल अछि। एखन धरि ई नीतिक मसौदा छल। मुदा आब एकर पुष्टि भ’ गेल अछि। बुधदिन 25 जून क’ सीबीएसई कें परीक्षा नियंत्रक संयम भारद्वाज समाचार एजेंसी पीटीआई संग अपन बात रखैत कहला अछि । एखन ई नियम केवल सीबीएसई बोर्ड कक्षा 10 कें परीक्षा पर लागू भ’ रहल अछि।

ई पैघ जानकारी दैत सीबीएसई के परीक्षा नियंत्रक संयम भारद्वाज सेहो कहलनि जे, दसवीं कक्षा के छात्र के पहिल चरण के परीक्षा मे उपस्थित होयब अनिवार्य होयत। जखन कि दोसर चरण कें परीक्षा वैकल्पिक होएत। अर्थात चाहै छी त’ ओहि मे उपस्थित भ’ सकैत छी वा नहि, इ परीक्षार्थी के इच्छा पर निर्भर करैत अछि ।
परीक्षा कहिया होयत?
केंद्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्ड के आधिकारिक अधिसूचना के अनुसार सीबीएसई बोर्ड परीक्षा 2026 कक्षा 10 के पहिल चरण फरवरी महीना मे होयत। जखन कि दोसर चरण मई मे लेल जाएत। ई फैसला छात्र सब के बोर्ड परीक्षा के तनाव कम करय आ हुनका नंबर सुधारय के दोसर मौका देबय लेल गेल अछि। इ परिवर्तन नव शिक्षा नीति (एनईपी 2020) कें तहत कैल गेल छै।