
लहरि रूम (नई दिल्ली) : भारत मे सक्रिय कोविड-19 केस के संख्या 3000 पार क’ गेल अछि, जाहि मे ताजा मे केरल, महाराष्ट्र आ दिल्ली सबस बेसी प्रभावित राज्य अछि। स्वास्थ्य आ परिवार कल्याण मंत्रालय के अनुसार देश मे एखन 3395 सक्रिय मामला अछि जाहि मे केरल मे सबस बेसी 1336 संक्रमित अछि। एकर बाद महाराष्ट्र मे संक्रमित मरीजक संख्या 467 अछि संगहि दोसर राज्य मे सेहो संख्या धीरे धीरे बढ़ि रहल अछि ।
