लहरि रूम (नई दिल्ली): भारत मे एक बेर फेर कोरोना संक्रमण मरीजक संख्या बढ़ि रहल अछि। केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालय केर ताजा आंकड़ा के अनुसार भारत मे शनिदिन तक कोरोना संक्रमित के संख्या बढ़ी क’ 5755 भ’ गेल अछि। जाहि मे केरल केर हालत सबसँ बेसी ख़राब अछि । एकरा संग भारत मे पिछला 24 घंटा मे 391 सक्रिय मरीज संख्या केँ संख्या बढ़ल अछि ।

कोन राज्य मे अखनधरि कतेक भेल अछि मृत्यु !
भारत मे बीतल 24 घण्टामे 4 गोटेके मृत्यु भेल अछि । जनवरी मासक बाद सँ कोरोना के कारण मृत्यु भेल मरीज के संख्या बढ़ी क’ 51 भ’ गेल अछि ।मृतक मे 18 मरीज महाराष्ट्र सँ , केरल सँ 12 मरीज , दिल्ली सँ 7 मरीज, गुजरात मे 2 मरीज, कर्नाटक सँ 9 मरीज, पंजाब सँ 2 मरीज, राजस्थान सँ 1 मरीज, उत्तर प्रदेश सँ 2 आओर बंगाल सँ 1 मरीज कें मृत्युक समाचार आबि रहल अछि ।

कोन राज्य मे कतेक सक्रिय मामला : केरल मे कुल 1950 सक्रिय मामला अछि। दिल्ली मे 892 सक्रिय मामला अछि जखन कि महाराष्ट्र मे 681 सक्रिय मामला अछि। बिहार मे कोरोना केस बढ़ि क’ 49 भ गेल अछि। गुजरात मे 822, हरियाणा मे 102, आंध्र प्रदेश मे 86, मध्य प्रदेश मे 39, राजस्थान मे 132, तमिलनाडु मे 194, उत्तर प्रदेश मे 219, बंगाल मे 693 कोरोना मामला सामने आयल अछि। उत्तराखंड में 9 कोरोना मरीज के रिपोर्ट। पुडुचेरीमे 15 गोटे कोरोना संक्रमण भेल अछि ।