spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिCWC (कांग्रेस कार्यसमिति) केँ बैसार मे गुंजल 'राहुल - राहुल'

CWC (कांग्रेस कार्यसमिति) केँ बैसार मे गुंजल ‘राहुल – राहुल’

-

नई दिल्ली: कांग्रेस कार्यसमिति (सीडब्ल्यूसी) शनिदिन एकटा प्रस्ताव पारित क’ राहुल गांधी सँ लोकसभा मे प्रतिपक्ष नेता क’ उत्तरदायित्व पूरा करबाक आग्रह केलक अछि। जानकारी केँ अनुसार गांधी जी एहि आग्रह पर सोचय लेल समय लेलनि अछि। विपक्ष केँ नेताक पद विपक्ष केँ सबस पैघ पार्टी केँ प्राप्त होइत अछि। मुदा ओहि मे सदन केँ कुल सदस्य संख्या केँ कम सँ कम 10 % रहबाक चाही। फिलहाल लोकसभा मे विपक्ष केँ नेता बनय लेल कम सन कम 55 सांसद केँ जरूरी अछि आओर एहि बेर कांग्रेस के 99 सीट प्राप्त कयलनि अछि। सीडब्ल्यूसी केँ बैसार मे इहो फैसला भेल जे जाहि राज्य मे रिजल्ट उम्मीद के मुताबिक नहि भेल अछि ओहि मे कांग्रेस हाईकमान एकटा समिति बना क’ समीक्षा करत जे ई कोना भेल।

कांग्रेस केँ वरिष्ठ नेता केसी वेणुगोपाल शनिदिन कहलनि जे, कांग्रेस कार्यसमिति राहुल गांधी सँ लोकसभा मे विपक्ष केँ नेताक भूमिका निभाबय केँ आग्रह करय वाला प्रस्ताव पारित केलक अछि. ओ एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस मे कहला जे सीडब्ल्यूसी सर्वसम्मति सँ राहुल गांधी सँ लोकसभा मे विपक्षक नेताक पदभार संभारिये हेतु आग्रह केलक… संसदक भीतर एहि अभियान क’ नेतृत्व करबा लेल राहुल जी सबस उपयुक्त व्यक्ति छथि। कांग्रेस नेता सँ जखन इ पूछल गेल जे राहुल गांधी एहि भूमिका क’ स्वीकार करबा लेल तैयार छथि या नहि त’ राहुल गाँधी कहला जे हम एहि पर बहुत जल्द सोचि -बुझि क’ फैसला लेब । कांग्रेस राज्यसभा सांसद प्रमोद तिवारी सेहो कहला जे निश्चित रूप सँ हुनका (राहुल गांधी) लोकसभा मे विपक्षक नेताक बनबाक चाही। ई हमर सबहक कार्यसमिति केँ आग्रह छल। ओ निर्भीक आ साहसी छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts