spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिI-N-D-I गठबंधन केँ उल्गुलान न्याय महरैली काईल (21 अप्रैल) कs रांची मे

I-N-D-I गठबंधन केँ उल्गुलान न्याय महरैली काईल (21 अप्रैल) कs रांची मे

-

रांची (झारखण्ड ): I-N-D-I गठबंधन केँ संयुक्त दल 21 अप्रैल केँ होमय वाला उल्गुलान न्याय महरैलीक लेल अपन पूरा ताकत लगा देलनि अछि। भारतीय गठबंधन केँ दल सब महारैली केँ संबंध मे संयुक्त अभियान चला रहल अछि। गठबंधन केँ दावा अछि जे एहि महारैली मे पांच लाख सँ बेसि लोक सम्मलित हेताह। एहि रैली मे भारत गठबंधनक शीर्ष नेता जमा हेताह। कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खर्गे, राष्ट्रीय नेता राहुल गांधी, तेजस्वी यादव, अखिलेश यादव, दीपंकर भट्टाचार्य, संजय सिंह आ अरविंद केजरीवाल केँ पत्नी सुनीता केजरीवाल, राष्ट्रीय सम्मेलन के फारूक अब्दुल्ला सहित बहुत रास नेता सभ एहि रैली मे भाग लेबय लेल सहमति द’ देलनि अछि।
सुप्रियो भट्टाचार्य(झामुमो महासचिव) अपन वक्तव्य मे कहलनि अछि जे “ई रैली ऐतिहासिक होयत। राज्य केँ जनता मोदी सरकार सँ पिछला 10 साल केँ हिसाब-किताब मांगत। रैली केँ लs कs पूरा राज्य मे उत्साह अछि। लोक एहि रैली केँ माध्यम सँ भाजपा पर अपन आक्रोश व्यक्त करताह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts