spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिI.N.D.I गठबंधन केँ विधायक दल केँ नेता बनला 'हेमंत' : 28 नवम्बर...

I.N.D.I गठबंधन केँ विधायक दल केँ नेता बनला ‘हेमंत’ : 28 नवम्बर क’ लेता पद एवं केँ शपथ

-

लहरि रूम (रांची) : झारखंड केँ विधानसभा चुनाव 2024 मे धमाकेदार विजयी केँ बाद आब हेमंत सोरेन सरकार बनेबाक दावा राज्य केँ राजपाल लग प्रस्तुत कयलनि। कनि काल पहिने राजभवन जा क’ राज्यपाल सँ भेंट क’ सरकार बनेबाक दावा प्रस्तुत कयलनि ।

राज्यपाल सँ भेंटघांट केँ दौरान हेमंत सोरेन पहिने मुख्यमंत्री पद सँ इस्तीफा देलनि आओर फेर सरकार बनेबाक दावा प्रस्तुत कयलनि। वर्तमान मे राज्यपाल हुनका कार्यवाहक सीएम के जिम्मेदारी सौंपने छथि। एहि सँ पहिने झारखंड विधानसभा चुनाव मे 81 मे सँ 56 सीट जीतला केँ एक दिन बाद रविदिन झारखंड मुक्ति मोर्चा केँ कार्यकारी अध्यक्ष हेमंत सोरेन केँ अध्यक्षता मे INDI गठबंधन केँ बैसार भेल। एहि बैसार मे विधायकदल केँ नेता सर्वसम्मति सँ चयनित कयल गेला। मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे बतौर मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन पुनः झारखण्ड केँ मुख्यमंत्री पद केँ शपथ 28 नवम्बर क’ लेताह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts