लहरि रूम (रांची) : झारखंड विधानसभा चुनाव 2024 लेल चुनावी कार्यक्रम केँ घोषणा भारतक चुनाव आयोग द्वारा मंगलदिन कयल गेल। पहिल चरण मे राज्यक 43 विधानसभा सीट पर मतदान होयत, जखन कि 38 सीट पर मतदाता लोकनि 20 नवंबर क’ दोसर चरण मे अपन मताधिकार केँ प्रयोग करताह। चुनावी कार्यक्रमक घोषणा केँ संग आदर्श आचार संहिता लागू भ’ गेल।
18 अक्टूबर सँ पहिल चरणक लेल नामांकन
पहिल चरण केँ चुनावक लेल चुनाव अधिसूचना जारी होयबाक संग 18 अक्टूबर सँ नामांकन दाखिल करबाक प्रक्रिया शुरू होयत। प्रत्याशी लोकनि 25 अक्टूबर तक नामांकन दाखिल क’ सकैत छथि। नामांकन पत्र 28 अक्टूबर तक दाखिल कयल जा सकैत अछि। पहिल चरणक लेल प्रत्याशी लोकनि 30 नवंबर तक अपन नाम वापस ल’ सकैत छथि। जखन कि 13 नवंबर क’ मतदान आ 23 नवंबर कए मतगणना होएत।
पहिल चरण मे एहि 43 सीट पर मतदान
43 विधानसभा नाम निम्नलिखित अछि जाहि मे झारखंड केँ पहिल चरण मे 13 नवंबर क’ मतदान होयत :
कोडरमा, बरकट्टा, बरही, बरकागांव, हजारीबाग, सिमरिया, चतरा, बहरागोड़ा, घाटशीला, पोटका, जुगसलाई, जमशेदपुर पूर्व, जमशेदपुर पश्चिम, इचागढ़, सरायकेला, चाईबासा, मझगांव, जगन्नाथपुर, मनोहरपुर, चक्रधरपुर, खरसावां, तमाड़, तोरपा, खूंटी, राँची, हटिया, कांके, मांडर, सिसई, गुमला, बिशुनपुर,सिमडेगा,कोलेबिरा,लोहरदगा ,मनिका,लातेहार,पांकी , डालटेनगंज, विश्रामपुर, छतरपुर, गढ़वा, भवनाथपुर
22 अक्टूबर सँ दोसर चरणक लेल होयत नामांकन
झारखंड मे दोसर चरण मे 38 सीट पर 22 अक्टूबर क’ अधिसूचना जारी केँ संग नामांकन दाखिल करबाक प्रक्रिया प्रारम्भ भ’ जायत। नामांकन पत्र 29 अक्टूबर तक दाखिल कयल जा सकैत अछि। 30 नवंबर क’ नामांकन पत्र केँ जांच होयत आओर 1 नवंबर तक नामांकन पत्र वापस लेल जा सकैत अछि। मतदान केँ तारीख 20 नवंबर आओर गिनती 23 नवंबर केँ तय कयल गेल अछि।
दोसर चरण मे 38 सीट पर मतदान होयत
निम्नलिखित 38 विधानसभा सीट जाहि पर 20 नवंबर के मतदान होयत मतदान होयत
राजमहल,बोरियो,बरहेट ,लिट्टीपादा,पाकूड़ ,महेशपुर,शिकारीपाड़ा , नाला, जामताड़ा, दुमका, जामा, जरमुंडी, मधुपुर, सारठ , देवघर,पोड़ैयाहाट,गोड्डा , महगामा,रामगढ़,माण्डू ,धनवार , बगोदर, जमुआ, गण्डेय, गिरिडीह, डुमरी, गोमियाबेरमो, बोकारो , चन्दनकीयारी, सिन्दरी, निरसा, धनबाद, झरिया, टुंडी,बाघमारा,सिल्ली,खिजरी