नयी दिल्ली/रांची/ मंगल कैं शीबू सोरेनक परिवार में फूट परि गेल। झारखंड के पूर्व मुख्यमंत्री आ झारखंड मुक्ति मोर्चा के पैघ नेता हेमंत सोरेन के भउजी, सीता सोरेन आइ भारतीय जनता पार्टी के दामन थामि लेली। एहि बीच एकटा खबर एहो अछि कि हुनक बेटी जयश्री सोरेन दुमका सं चुनाव लड़त आ पूर्व के भाजपा द्वारा घोषित उम्मीदवार सुनिल सोरेन अपन नाम वापस ल लेता।
सीता सोरेन शीबू सोरेन परिवार के सबसे पैघ पुतोहु छी। ओ विगत लंबा समय सं पार्टी आ परिवार दुनू सं नाराज चलि रहल छली। आई ओहि नाराजगी के पटाक्षेप भ गेल। दिल्ली के भाजपा केन्द्रीय कार्यालय में बिहारक प्रभारी विनोद तावड़े आ झारखंडक प्रभारी लक्ष्मीकांत वाजपेयी के उपस्थिति में सीता, भाजपा के सदस्यता ग्रहण कैली।
भाजपा के सदस्यता सं पूर्व सीता पहिले झारखंड मुक्ति मोर्चा के सभ पद सं त्यागपत्र द देलक और दू टा पत्र सेहो लिखलक। एकटा पत्र ओ अपन ससुर के लिखली, जहि में मनक बात लिखली। ओ पत्र बेसी भावुक बताओल जाति अछि। दोसर पत्र ओ विधानसभा के अध्यक्ष के लिखली। जहि मे ओ विधायकी से इस्तीफा की चर्चा कैली।
एक समाचार सेहो घुरि रहल अछि कि सीता के पैघ बेटी जयश्री दुमका सं चुनाव लड़त। एहि खबर में वजन लागि रहल अछि। अब जेएमएम के कैटा विकेट गिरत एकर संभावना व्यक्त कैल जा रहल अछि।