spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिKP Sharma Oli चारिम बेर बनला नेपालक प्रधानमन्त्री : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी...

KP Sharma Oli चारिम बेर बनला नेपालक प्रधानमन्त्री : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी देलनि बधाई

-

नई दिल्ली सँ काठमांडू :एकटा नव गठबंधन सरकारक नेतृत्व कर्ता केँ रूप मे केपी शर्मा ओली सोमदिन चारिम बेर नेपालक प्रधानमंत्रीक शपथ लेलनि। KP Sharma Oli केँ सरकार केँ हिमालयी देश मे राजनीतिक स्थिरता प्रदान करबाक कठिन चुनौतीक सामना करय परतनि । भारतीय प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ओली केँ चारिम बेर पीएम बनबा पर बधाई देलथि अछि। पीएम मोदी लिखने छथि, केपी शर्मा ओली केँ चारिम बेर नेपालक प्रधानमंत्री नियुक्त भेला पर बधाई। हमरा सब केँ आशा अछि कि दूनू देश केँ बीच दोस्ती मजबूत बनल रहत आओर दुनू देश मिल क’ आपसी सहयोग बढ़बैक कार्य करत ।

पिछला सप्ताह केँ प्रारंभ मे नेपाली कांग्रेस अध्यक्ष शेरबहादुर देउवा आ सीपीएन-यूएमएल अध्यक्ष ओली नव गठबंधन सरकार बनेबाक लेल सात सूत्री समझौता पर हस्ताक्षर केने छलाह। देउबा आ ओली केँ मध्य 1 जुलाई क’ भेल समझौता केँ अनुसार 2027 मे होबय वाला अगिला आम चुनाव तक दुनु दल बारी-बारी सँ सरकारक नेतृत्व करत। ई चारिम बेर अछि जखन ओली प्रधानमंत्रीक शपथ लेलनि अछि। सबसँ पहिने ओली 11 अक्टूबर 2015 सँ 3 अगस्त 2016 धरि देशक प्रधानमंत्रीक रूप मे काज केलनि ।

एहि दौरान नई दिल्ली सँ काठमांडू केँ संबंध तनावपूर्ण रहल। एकर बाद ओ फेर 5 फरवरी 2018 सँ 13 मई 2021 तक प्रधानमंत्री रहलाह। एकर बाद तत्कालीन राष्ट्रपति विद्या देवी भण्डारी केँ कारण 13 मई 2021 सँ 13 जुलाई 2021 तक पद पर रहलाह। बाद मे सुप्रीम कोर्ट केँ फैसला भेल जे ओली केँ प्रधानमंत्री केँ रूप मे जारी रहनाय असंवैधानिक अछि। नेपाल मे बेर-बेर राजनीतिक उथल-पुथल केँ सामना करय पड़ैत रहल अछि आ गणतंत्र व्यवस्था लागू भेलाक बाद पिछला 16 साल मे देश मे 14 सरकार देखल गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts