किएक,माइक्रोसॉफ्ट के तकनीकी गड़बड़ी के सामना करय पड़ल ?
साइबर केँ एकटा पैघ आउटेज केँ कारण सँ दुनिया भरि देश केँ अनेकों आईटी सिस्टम केँ IT सेवा प्रभावित भ’ गेल अछि । सॉफ्टवेयर गड़बड़ी केँ कारण देशक एयरलाइंस, बैंक आ सुपरमार्केट क’ सेवा रुक-रुक क’ चलैत रहल। दुनिया भर मे बहुत हवाई रद्द भ’ गेल अछि , ऑस्ट्रेलिया आ दुनिया भर मे लाखों सिस्टम डाउन भ’ गेल। ई अमेरिकी साइबर सुरक्षा प्रदाता क्राउडस्ट्राइक आओर ओकर सॉफ्टवेयर फाल्कन सेंसर सँ संबंधित अछि ।
क्राउडस्ट्राइक फाल्कन की होइत अछि ?
वास्तव मे ई दुनिया भर केँ सबसँ पैघ साइबर सुरक्षा विक्रेता मे सँ एक अछि , जे दुनिया भरि केँ हजारों व्यवसाय केँ वायरस आओर साइबर हमला सँ बचाबैक लेल सॉफ्टवेयर सेवा प्रदान करैत अछि । कंपनी केँ मुख्यालय ऑस्टिन, टेक्सास (अमेरिका) मे छैक आओर एकर लगभग 10 हजार कर्मचारी छनि । क्राउडस्ट्राइक फाल्कन कंपनी केँ सॉफ्टवेयर छैक , ई कॉरपोरेट सिस्टम मे बैकग्राउंड मे चलै छै, जे कोनो भी वायरस आओर साइबर खतरा कें पता लगबैत अछि ।
आउटेज कोना भेल?
एहि आउटेज केँ कारण माइक्रोसॉफ्ट केँ लैपटॉप आओर पीसी पर ब्लू स्क्रीन ऑप डेथ देखबै लागल, मतलब कर्मचारी आओर यूजर अपन सिस्टम तक पहुंचय मे असमर्थ भ’ गेला। शुक्र दिन आउटेज AEST सँ प्रारम्भ भ’ ऑस्ट्रेलिया पहुँचै सँ पहिले अमेरिका मे यूजर्स केँ प्रभावित कयलक । क्राउडस्ट्राइक केँ प्रतिनिधि द्वारा एकटा फोरम पर आबि कहल गेल जे “अलग-अलग सेंसर एडिशन में विंडोज मशीनों पर BSOD एरर पैदा करने वाली व्यापक समस्या से अवगत हैं।”
माइक्रोसॉफ्ट एतेक प्रभावित किएक भेल?
बताबी कि माइक्रोसॉफ्ट लग हमला केँ स्रोत नहि छल, लेकिन क्राउडस्ट्राइक केँ फाल्कन सॉफ्टवेयर केँ उपयोग माइक्रोसॉफ्ट विंडोज सिस्टम पर कयल जाइत अछि । उदाहरणक लेल Apple आओर Mac मैक पर नहि कोनो समस्या अछि। माइक्रोसॉफ्ट ‘X’ पर जारी बयान मे कहलक जे ओ एहि घटना के जांच क’ रहल अछि।

