spot_img
Friday, November 21, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिNDA के समाधान निकलि गेल : भ' गेल सिटक बटवारा !

NDA के समाधान निकलि गेल : भ’ गेल सिटक बटवारा !

-

लहरि रूम (पटना) : आगामी वर्ष 2025 के विधानसभा चुनाव मे एक बेर फेर सँ जदयू सब सँ बेसी सीट पर अपन प्रत्याशी उतारत। एहि बेर जदयू 101 विधानसभा सीट पर अपन चुनावी पराक्रम के प्रदर्शन करत। पिछला 2020 के विधानसभा चुनाव मे जदयू 115 सीट पर लड़ल छल आओर 43 सीट जीतल छल, मतलब 72 सीट पर पराजित भेल छल। सीट बंटवारा मे सुधार आ समान भागीदारी सुनिश्चित करबा लेल जदयू पिछला चुनाव सँ 14 सीट कम पर चुनाव लड़त। ई 14 सीट अपन सहयोगी दल सबहक लेल छोड़ि देने अछि।

भाजपा 101 सीट पर चुनाव लड़त…
भाजपा 2025 के विधानसभा चुनाव मे दोसर पार्टी के भूमिका मे प्रवेश केलक अछि। लोकसभा के हिस्सेदारी आओर पिछला विधानसभा चुनाव मे भाजपा के 78 विधानसभा सीट जीतला पर विश्वास छल जे भाजपा एहि बेर प्रथम पार्टी के भूमिका निभाओत मुदा अहु बेर दोसर स्थान पर अछि। गठबंधन केर राजनीति आ आपसी सामंजस्य आगू बढ़ेबाक लेल भाजपा जदयू के छोट भाई स्वरूप भूमिका मे अछि । 2020 के विधानसभा चुनाव मे भाजपा 110 सीट पर चुनाव लड़ल छल। एहि बेर सहयोगी दल के लेल 10 सीट के बलिदान भाजपा सेहो कयलक अछि।

NDA के सहयोगी लोकनि सेहो कयलनि संतोष !
एहि बेर दूटा नव सहयोगी एनडीए मे शामिल भेला अछि। नव प्रवेशक मे लोजपा (आर) आ रालोमो फेर सँ एनडीए मे शामिल भ’ गेल छथि। लोजपा (आर) कए 43 स 137 सीट क बीच क संख्या क उम्मीद छल। मुदा दोसर सहयोगी दल के संतुष्ट करय लेल लोजपा (आर) के राष्ट्रीय अध्यक्ष चिराग पासवान सेहो पाछू हटि गेलाह। खबरि अछि जे लोजपा (आर) के 29 विधानसभा सीट जीतय के जिम्मा देल गेल अछि। हिन्दुस्तानी आवाम मोर्चा सेक्युलर के संस्थापक अध्यक्ष जीतन राम मांझी 25 सीट सँ बेसी 15 विधानसभा सीट के लेल अपन दावेदारी पर वापस आबि गेलाह मुदा हुनका गठबंधन के साथी के नाम पर सीट के बलिदान देबय लेल नहि कहल गेल, आ ने सीट के संख्या बढ़ल. अंततः जीतन राम मांझी 6 सीट पर संतोष केलनि। राष्ट्रीय लोक मोर्चा के राष्ट्रीय अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा 8 सँ 10 विधानसभा सीट के मांग केने छलाह, मुदा हुनका 6 सीट द क’ उचित हिस्सा आ जिम्मेदारी सेहो देल गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts