मैथिली ठाकुर, विजय कुमार सिन्हा, अनंत सिंह , खेसारी लाल यादव के विजय आ पराजय पर विशेष नजरि – लोक सबके
लहरि रूम (पटना) : बिहार विधानसभा चुनाव 2025 सम्पन्न भ’ चुकल अछि। काल्हि 14 नवंबर 2025 क’ मतगणना होयत। लहरि मीडिया संग 20 सन बेसी चैनल अपन एग्जिट पोल के आधार पर सम्भवना बता रहल अछि जे NDA पुनः पूर्ण बहुमत के संग सरकार बना रहल अछि। मुदा बहुतो बेर एग्जिट पोल् के अनुमान धरल के धरल रही गेल अछि आओर परिणाम किछु अबैत अछि आओर किछु बेर सटीक सेहो भेल अछि। काल्हि के मतगणना के प्रतीक्षा सब कियो क’ रहला अछि कारण सब के जिज्ञासा छनि जे की मोदी आ नीतीश के जोड़ी के असरि अखनो बिहार मे चलल या बड़का रणनीति कार प्रशांत किशोर अपन रणनीति के आधार पर महागठबंधन के सरकार के बिहार के गद्दी के तरफ जाय के रास्ता प्रसस्त क’ देलनि अछि।
एतिहासिक भेल मतदान
दुनू चरण मे 38 जिला मे 7.4 करोड़ सँ बेसी मतदाता 2616 उम्मीदवार केर भाग्यक फैसला करबा लेल अपन वोट देलथि। बिहार मे ऐतिहासिक 67.13% मतदाता मतदान दर्ज कैल गेल-1951 केँ बाद सबसँ बेसी मतदाता अपन मताधिकार के प्रयोग कयलनि अछि ।महत्वपूर्ण बात इ अछि जे महिला मतदाता केँ भागीदारी 71.78% रहल, जे पुरुष मतदाता क बीच 62.98% मतदान सँ काफी बेसी अछि। वर्तमान मे सबहक नजरि एहि बात पर केंद्रित अछि जे बिहार के सबस लंबा समय तक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रिकॉर्ड पांचम कार्यकाल हासिल करताह कि नहि ?
चुनाव आयोग के अनुसार 38 जिला के कुल 46 मतगणना केन्द्र पर सुरक्षा के कड़ा इंतजाम कयल गेल अछि। 6 आ 11 नवंबर क’ भेल दू चरणक चुनाव मे 7.45 करोड़ मतदाता 2616 उम्मीदवार क भाग्य तय केलनि अछि । आयोग केर वक्तव्य के अनुसार ईवीएम आ वीवीपीएटी मशीन कें मजबूत कमरा मे डबल-लॉक सिस्टम के तहत सुरक्षित राखल गेल अछि , आ ई पूरा प्रक्रिया के वीडियो रिकॉर्डिंग सेहो करल जा रहल अछि । मतगणना केंद्र पर दू स्तरीय सुरक्षा प्रणाली लागू अछि, जाहि मे भीतरी घेराबंदी मे केंद्रीय अर्धसैनिक बल आ बाहरी घेराबंदी मे राज्य पुलिस केन्र व्यवस्था अछि। सब स्ट्रॉन्ग रूम कॉम्प्लेक्स मे कंट्रोल रूम लगाउल गेल अछि, जाहि मे जिला केँ वरिष्ठ अधिकारी आ कर्मचारी छथि, आ संबंधित जिला केँ सबटा जिला चुनाव अधिकारी आ रिटर्निंग अधिकारी केँ बेर-बेर निरीक्षण करबाक निर्देश देल गेल अछि। लगभग सब एग्जिट पोल मे जनता दल (यूनाइटेड ) आ भाजपा के गठबंधन एनडीए के भारी जीत के भविष्यवाणी कयल गेल अछि। मुदा तेजस्वी यादव द्वारा अहि भविष्यवाणी केँ खारिज करैत कहला अछि जे महागठबंधन पैघ बहुमत सँ सरकार बना रहल अछि।

