spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिNEET Paper Leak Case: नीट पेपर लीक मामला मे झारखंड केँ देवघर...

NEET Paper Leak Case: नीट पेपर लीक मामला मे झारखंड केँ देवघर सँ 5 लोग गिरफ्तार : हजारीबाग सेंटर सँ पेपर निकलल छल

-

NEET Paper Leak Case: : झारखंड मे नीट पेपर लीक मामला केँ संबंध मे पैघ कार्रवाई कयल गेल अछि । देवघर सँ 5 गोटे केँ गिरफ्तार कयल गेल अछि। मीडिया सूत्र केँ कहब जे हजारीबाग केँ एकटा केंद्र पर सँ सेहो पेपर लीक भेल छल।

सिकंदर यादवेन्द्र एकटा पैघ खुलासा केने छलाह (मीडिया सूत्र )
नीट पेपर लीक केँ आरोपी सिकंदर यादवेन्द्र अपन कबूलनामा मे एकटा पैघ खुलासा केलथि अछि। ओ अमित आनंद आ नीतीश कुमार सँ पेपर 30-32 लाख मे कीनने छलाह। एकर बाद समस्तीपुर केँ अनुराग यादव, दानापुर पटना केँ आयुष कुमार, गया केँ शिवानंदन कुमार आओर रांची केँ अभिषेक कुमार केँ 40-40 लाख रुपया मे कागज बेच देलनि। पटनाक रामकृष्ण नगर मे परीक्षा सँ एक राति पहिने यानी 4 मई क’ एहि चारू अभ्यर्थी केँ राति भरि पेपर रटबा लेल देल गेल ।

संजीव मुखिया उर्फ ​​लुटन केँ खोज जारी अछि (मीडिया सूत्र )
नीट पेपर लीक मामला मे पुलिस एखनो संजीव मुखिया उर्फ ​​लुटन केँ तलाश मे अछि। बीपीएससी केँ पेपर लीक मामला मे संजीव मुखिया केँ बेटा शिव कुमार पहिने सँ गिरफ्तार अछि। नीट पेपर लीक मामला मे एखन धरि बिहार मे 13 गोटे केँ गिरफ्तार कैल गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts