पटना: बिहार राज्य केँ डिप्टी विजय कुमार सिन्हा NEET-UG 2024 पेपर लीक मामला मे एकटा पैघ आरोप लगौलनि अछि। ओ दावा केलथि जे पेपर लीक मे राजद नेता तेजस्वी यादव क’ पूर्व निजी सचिव प्रीतम कुमार शामिल छथि। ई प्रीतम कुमार छलाह जे नीट पेपर लीक मामला मे आरोपी इंजीनियर सिकंदर कुमार यादवेन्दु लेल पटना मे रहबाक इंतजाम केने छलाह।
विजय सिन्हा नीट-यूजी पेपर लीक पर : बिहार केँ डिप्टी विजय कुमार सिन्हा NEET-UG 2024 पेपर लीक केस मे एकटा पैघ आरोप लगौलनि अछि। ओ दावा केलथि जे राजद नेता तेजस्वी यादव क’ पूर्व निजी सचिव प्रीतम कुमार पेपर लीक मे सम्मलित इंजीनियर सिकंदर कुमार यादवेन्दु क’ पटना मे रहबाक व्यवस्था केने छलाह। सिन्हा इहो कहलनि जे, प्रीतम कुमार 1 आ 4 मई क’ बिहार पथ निर्माण विभागक कर्मचारी प्रदीप कुमार सँ संपर्क क’ रूम बुक करबा लेल कहने छला ।
https://twitter.com/i/status/1803688389612544478
सिन्हा इहो खुलासा केलनि जे ‘मंत्रिजी’ शब्दक प्रयोग प्रीतम कुमार केने छलाह | प्रीतम कुमार पिछला सरकार मे तेजस्वी यादवक निजी सचिव छलाह। ओ तेजस्वी यादव सँ इ स्पष्ट करबाक मांग केलथि जे प्रीतम कुमार एखनो हुनकर निजी सचिव छथि या नहि। एकर संग संग इहो कहल गेल अछि जे सिकंदर कुमार यादवेन्दु के छथि?