spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिNEET- UG Paper लीक केँ बाद प्रत्येक परीक्षा पर पैनी नजर :...

NEET- UG Paper लीक केँ बाद प्रत्येक परीक्षा पर पैनी नजर : सीएसआईआर-नेट ऑनलाइन परीक्षा मे सुभारती विश्वविद्यालय 7 गोटे गिरफ्तार

-

मेरठ : मेरठ जिलाक सुभारती विश्वविद्यालय मे आयोजित सीएसआईआर-नेट ऑनलाइन परीक्षा मे प्रश्नपत्र के हल करय केँ मामला मे सात गोटे केँ गिरफ्तार कयल गेल अछि। पुलिस द्वारा जानकारी देल गेल अछि ।

विशेष कार्यदल मेरठ केँ अपर पुलिस अधीक्षक बृजेश कुमार सिंह शनिदिन कहलनि जे, एसटीएफ केँ प्रश्न पत्र सुलझाबय लेल सिस्टम हैक क’ ऑनलाइन भर्ती परीक्षा मे गिरोह केँ सक्रिय हेबाक जानकारी भेट रहल अछि।

ओ कहला जे 26 जुलाई क’ एसटीएफ टीम केँ इ जानकारी भेटल जे सुभारती विश्वविद्यालय मे भ’ रहल सीएसआईआर-नेट क’ ऑनलाइन परीक्षा मे सेहो एहने धांधली भ’ रहल अछि।

ओ कहलनि जे, निरीक्षक सुनील कुमार केँ नेतृत्व मे टीम सुभारती कॉलेज पहुंचल आ जानकारी सही पाओल गेल, जकर बाद सात गोटे केँ गिरफ्तार कयल गेल। गिरफ्तार आरोपी केँ विरुद्ध कार्रवाई भ’ रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts