राँची : बीतल दिन 1 अप्रैल क’ एएसपी द्वारा CCR केँ नेतृत्व मे बूटी मोड़ चौक केँ OYO समर्थित होटल सब पर छापा परल छल, जाहि सँ सेक्स रैकेट केँ भंडाफोड़ भेल, जाहि मे तीन लड़की आओर एक लड़का पुलिस गिरफ्त मे आयल छल, आओर राँची पुलिस ओकर पूछताछ क’ रहल अछि।
आजुक दिन 2 अप्रैल गुप्त सूचना केँ आधार पर रांची पुलिस एसएसपी चन्दन कुमार सिन्हा केँ नेतृत्व मे अभियान चला क’ छापा मारलक। जाहिं मे एक दर्जन लड़की आओर आधा दर्जन लड़का केँ हिरासत मे लेल गेल। संगहि OYO समर्थित होटल मालिक सबके सेहो गिरफ्तार कैल गेल। होटल सँ हिरासत मे लेल गेल लड़की सब बंगाल केँ बताओल जा रहल छथि।
रांची पुलिस तीन टीम बना क’ छापामारी क’ रहल अछि।
Trending Now
