लहरि रूम ( रांची) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी के अध्यक्षता में सुरक्षा पर कैबिनेट समिति (CSS) के बैसार भेल । केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह, रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह, विदेश मंत्री डॉ. एस जयशंकर सहित अन्य अधिकारी मौजूद छला । अमित शाह जखन 7- लोक कल्याण मार्ग लेल अपन घर सँ निकलि रहल छलाह तखन हुनका हाथ मे एकटा लाल फाइल छल । Pahalgam Attack मे कम सँ कम 26 लोक के मृत्यु भ’ गेल अछि आओर कतेको लोक घायल भ’ गेल छथि। सीतारमण अपन आधिकारिक यात्रा के छोडि क’ अमेरिका सँ वापस आबि रहल छथि।

प्रधानमंत्री मोदी आई बुधदिन भोरे -भोरे सऊदी अरब सँ वापस आबि गेलाह अछि । प्रधानमंत्री अबिते देरी ऐला के तुरंत बाद हवाई अड्डा पर एकटा बैसार कयलनि , जाहि मे डॉ. एस जयशंकर आ राष्ट्रीय सुरक्षा सलाहकार (एनएसए) अजीत डोवल के संग जम्मू-कश्मीर आतंकी हमला के बारे मे चर्चा कयलनि । बैसार मे विदेश सचिव विक्रम मिस्त्री सेहो उपस्थित छलाह। एहि सँ पूर्व अमित शाह पहलगाम के बैसारन के दौरा कयलनि जतय आतंकी हमला केने छल। ओ अस्पताल मे सेहो गेलाह जतय किछु घायल के भर्ती कराओल गेल छल।
