लहरि रूम (रांची) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि पूर्णिया केँ सांसद पप्पू यादव केँ धमकी देबय वाला पुलिस केँ गिरफ्त मे आबि गेल अछि। गिरफ्तार आरोपी केँ नाम रामबाबू आओर पिता केँ नाम राम ईश्वर राय अछि। गिरफ्तार युवक पहिने पढ़ाई करैत छल। मुदा एखन धरि कोनो ठोस जानकारी नहि भेटल अछि जे ओ पप्पू यादव केँ किएक धमकी देलनि। पुलिस जांच क’ रहल अछि जे एहि घटना मे आरोपी युवक केँ संग कियो आओर सम्मलित अछि कि नहि।
