लहरि रूम (रांची ) : केंद्र सरकार झारखंड आ बिहार कें 3169 करोड़ टका क योजना के उपहार देलक अछि। PIB के सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर अध्यक्षता मे आइ बुध दिन क’ आयोजित केंद्रीय मंत्रिमंडल केर बैसार मे एकटा प्रस्ताव कें मंजूरी देल गेल अछि , जेकरा सँ 12 ज्योतिर्लिंग (सर्वमनोकामनार्लिंग )मे सँ एक बाबा बैद्यनाथ धाम (देवघर) कें पश्चिम बंगाल केर रामपुरहाट मे स्थित माँ जगदम्बा के शक्तिपीठ – तारापीठ सँ जोड़ल जायत । अहि कार्य हेतु भागलपुर-दुमका-रामपुरहाट सिंगल रेल लाइन कें डबल रेल लाइन करबाक प्रस्ताव केर मंजूरी भेट गेल अछि। भारतीय रेलवे के 177 किलोमीटर के रेल लाइन के डबल रेल लाइन करय के एहि योजना पर 3169 करोड़ रुपया खर्च कएल जायत।
Trending Now

