
लहरि रूम (रांची) : 18 साल के लंबा प्रतीक्षा के बाद अंततः रॉयल चैलेंजर्स बेंगलुरु (RCB) IPL 2025 कें विजेता बनल । IPL 2025 केर अंतिम मैच मे आरसीबी पंजाब किंग्स कें 6 रन सँ परास्त क’ पहिल बेर IPL केर ट्रॉफी अपन नाम केलक । अहमदाबाद केर नरेंद्र मोदी स्टेडियम मे खेलल गेल रोमांचक मैच मे आरसीबी टॉस हारला के बाद पहले बल्लेबाजी करैत 190 रन बनेलक , जेकरा बाद पंजाब किंग्स अपन लक्ष्य 191 के पाछा करैत सात विकेट पर मात्र 184 बना सकल ।
