नई दिल्ली : भारतीय क्रिकेट टीम 27 साल बाद श्रीलंका सँ वनडे सीरीज मे हारि गेल । श्रीलंका आई बुध दिन अंतिम आओर निर्णायक वनडे मे भारत केँ 110 रन केँ भारी अंतर सँ पराजित करैत तीन मैच केँ सीरीज मे 2-0 सँ जीत लेलक । आर. प्रेमदासा स्टेडियम मे खेलल गेल मैच मे श्रीलंका क्रिकेट टीम पाहिले बल्लेबाजी करी क’ 7 विकेट पर 248 बनेलक । जवाब मे पूरा भारतीय टीम 26.1 ओवर मे मात्र 138 रन पर सिमटि गेल । एक बेर फेर श्रीलंका केँ स्पिनर गेंदबाज अपन जलवा केँ प्रदर्शन क’ विजय श्री अर्जित कयलनि। दुनिथ वेलालागे द्वारा 5.1 ओवर मे 27 रन द’ क’ सबसें जादा विकेट लेल गेल ।
Trending Now
