लहरि रूम (खेल समाचार ) : भारत टॉस जीती क’ पहिले बल्लेबाजी कयलक। 20 ओवर मे 8 विकेट केँ नोकसान पर भारतीय टीम 181 रन बनौलनि ।
भारत केँ तरफ सँ सूर्यकुमार यादव 28 गेंद मे 53 रन बनौलनि ।
जखन कि अफगानिस्तान केँ तरफ सँ गेंदबाजी करैत फजल हक फारूकी आओर रशीद खान तीन-तीन विकेट लेलनि ।
181 रन केँ पीछा करैत अफगानिस्तान टीम मात्र 134 रन बना सकल । भारत केँ तरफ सँ आर्षदीप सिंह आओर जसप्रीत बुमराह तीन-तीन विकेट लेलनि ।
सूर्यकुमार यादव केँ उत्कृष्ट प्रदर्शनहेतु प्लेयर ऑफ द मैच देल गेल ।
एहि टी-20 विश्व कप मे भारत एखन धरि नीक प्रदर्शन केलक अछि। एखन धरि भारतीय टीम एकोटा मैच नहि हारल अछि।