
लहरि रूम (नई दिल्ली) : सुप्रीम कोर्ट यूजीसी के विवादित नियम पर अस्थायी तौर पर रोक लगा देलक अछि, मुदा की एहि रोक सँ भाजपा केँ चुनौती कम भ’ जाएत? सुप्रीम कोर्ट केर फैसला के बाद भाजपा नेता आओर कांग्रेस के नेता दुनू स्वागत क’ रहल छथि। लेकिन यूजीसी केरऽ नया नियम के विरोध करै वाला संगठन आ छात्र खाली अस्थायी रोक सँ संतुष्ट नहि छथि संगहि अपन जारी अभियान केँ ताबत तक करैत रहता जाबय तक एहि केर पूर्ण संसोधन या वापस नहि करौता।


