नई दिल्ली/ संघ लोक सेवा आयोग (यूपीएससी) के अध्यक्ष मनोज सोनी अपन इस्तीफा सौंपि देलखिन। एकरा लेल ओ व्यक्तिगत कारण के हवाला देलखिन। एकटा आधिकारिक सूत्र शनिदिन ई जानकारी सार्वजनिक कयलक।
सूत्रक कहब छनि जे परिवीक्षाधीन आईएएस अधिकारी पूजा खेड़करक मामला सोझाँ अयलाक बाद यूपीएससी पर उठाओल जा रहल प्रश्नसँ सोनीक इस्तीफाक कोनो लेना-देना नहि अछि।
ष्यूपीएससी अध्यक्ष व्यक्तिगत कारणक हवाला दैत एक पखवाड़ा पहिने अपन इस्तीफा सौंपि देलनि। एकरा एखन धरि स्वीकार नहि कएल गेल अछि। प्रख्यात शिक्षाविद् ५९ वर्षीय सोनी २८ जून, २०१७ केँ आयोगक सदस्यक पदभार सम्हारने छलीह। ओ १६ मई, २०२३केँ यूपीएससीक अध्यक्षक रूपमे शपथ लेलनि आ हुनकर कार्यकाल १५ मई, २०२९ केँ समाप्त होबयवला छल।
सूत्रक अनुसार, सोनीकेँ यूपीएससीक अध्यक्ष बनबामे कोनो रुचि नहि छल आ ओ पदसँ मुक्त होयबाक अनुरोध कयने छलाह, मुदा तखन धरि हुनक आग्रह स्वीकार नहि कयल गेल। ओ कहलनि जे सोनी आब सामाजिक-धार्मिक गतिविधि लेल बेसी समय देबय चाहैत छथि।
ई घटनाक्रम एहि लेल महत्वपूर्ण अछि किएक तँ यूपीएससी शुक्रदिन कहलक जे ओ परिवीक्षाधीन आईएएस अधिकारी पूजा खेडकरक खिलाफ कतेको कार्रवाई शुरू कयलक अछि, जाहिमे फर्जी पहचान दस्तावेजक माध्यमसँ सिविल सेवा परीक्षामे उपस्थित होयबाक बेसी मौका भेटबाक लेल हुनका विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करब शामिल अछि। आयोग कदाचारक आरोपक ष्गहन जांचष्क बाद खेडकरक खिलाफ आपराधिक मामला दर्ज कयलक।
ओ हुनका सिविल सेवा परीक्षा-२०२२क लेल अपन उम्मीदवारी रद्द करबाक आ भविष्यक परीक्षामे उपस्थित होयबासँ रोकबाक लेल कारण बताओ नोटिस सेहो जारी कयलक। जहिया सँ खेडकर द्वारा सत्ता आ विशेषाधिकारक कथित दुरुपयोग सोझाँ आयल अछि, सोशल मीडिया आईएएस आ भारतीय पुलिस सेवा (आईपीएस) अधिकारी द्वारा फर्जी प्रमाणपत्रक उपयोगक दावा आ प्रतिदावासँ भरि गेल अछि।
सोशल मीडिया उपयोगकर्ता किछु आईएएस आ आईपीएस अधिकारीक नाम, फोटो आ अन्य विवरण साझा कयलनि अछि, जाहिमे दावा कयल गेल अछि जे ओ अन्य पिछड़ा वर्ग (गैर-क्रीमी लेयर) आ आर्थिक रूपसँ कमजोर वर्ग (ईडब्ल्यूएस) सँ सम्बन्धित लोकसभकेँ उपलब्ध लाभक दावा करबाक लेल फर्जी प्रमाणपत्रक उपयोग कयलनि।
यूपीएससीमे अपन नियुक्तिसँ पहिने सोनी कुलपतिक रूपमे तीन बेर सेवा कयने छलाह। ओ १ अगस्त, २००९ सँ ३१ जुलाई, २०१५ धरि डॉ. बाबासाहेब अम्बेडकर मुक्त विश्वविद्यालय (बीएओयू), गुजरातक कुलपतिक रूपमे लगातार दू बेर सेवा कयलनि आ अप्रैल २००५ सँ अप्रैल २००८ धरि महाराजा सयाजीराव विश्वविद्यालय (एमएसयू), बड़ौदाक कुलपतिक रूपमे एक बेर सेवा कयलनि।
एमएसयूमे शामिल होयबाक क्रममे सोनी भारतक कोनो विश्वविद्यालयक सबसँ कम आयुक कुलपति बनि गेलीह। अन्तर्राष्ट्रीय सम्बन्ध आ राजनीति विज्ञानक विद्वान सोनी वल्लभ विद्यानगरक सरदार पटेल विश्वविद्यालय (एसपीयू) मे अन्तर्राष्ट्रीय सम्बन्ध पढ़ाबैत छलीह।
यूपीएससीक नेतृत्व एकटा अध्यक्ष करैत छथि आ एहिमे अधिकतम १० सदस्य भऽ सकैत छथि। वर्तमानमे यूपीएससीमे सातटा सदस्य छथि, जे ओकर स्वीकृत संख्यासँ तीन कम अछि।