लहरि रूम : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे असम केँ मुख्यमंत्री हिमंत विश्व सरमा कांग्रेस नेता राहुल गांधी पर कसगर शब्दक बाण चलेलनि। हिमन्त कहलनि जे पाकिस्तान मे राहुल गांधी बहुत लोकप्रिय छथि। जं पाकिस्तान मे चुनाव होएत आओर राहुल गांधी चुनाव लड़ताह त ओ भारी अंतर सँ जीत हासिल करताह। ओ कहलनि जे पाकिस्तान मे राहुल गांधी के हम सब नहि हरा सकैत छी। पाकिस्तान मे राहुल गांधी के जीत निश्चित रूप सँ होयत। एकर संग-संग भाजपा नेता कहला जे पाकिस्तान जे चाहैत अछि ओ भारत मे कोना भ’ सकैत अछि। पाकिस्तान जे चाहत, ओकर उल्टा भारत मे होयत।
पाकिस्तान मे राहुल गांधी बहुत लोकप्रिय छथि, हम सब हुनका ओतय नहि हरा सकैत छी : हिमंत विश्व सरमा
-

