
लहरि रूम (पटना) : मिथिला स्टूडेंट यूनियन के एकटा प्रतिनिधिमंडल छात्र लोकनिक हित सँ संबंधित 16 सूत्री मांग पत्र पर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति के ध्यान आकर्षण हेतु एकटा ज्ञापन देलनि अछि संगहि 24 सितंबर के एकटा विशाल छात्र प्रदर्शन (विश्वविद्यालय घेराव ) के औपचारिक सूचना सेहो देलनि । मिथिला स्टूडेंट यूनियन (एमएसयू) के प्रतिनिधिमंडल ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति सं भेंट क’ छात्र कल्याण सँ जुड़ल मुद्दा उठेलथि आ शैक्षणिक व्यवस्था मे सुधार केर मांग केलथि। विश्वविद्यालय प्रशासन क’ 16 सूत्री ज्ञापन दैत प्रतिनिधिमंडल उठल सबटा मुद्दा पर तत्काल आ ठोस कार्रवाई क आग्रह केलक अछि ।

MSU (प्रतिनिधिमंडल) विश्वविद्यालय प्रशासन केर देलक चेतावनी
प्रतिनिधिमंडल अपन बात रखैत कहलनि कॉलेज मे एक समान शुल्क संरचना आ प्रवेश परीक्षा, स्नातकोत्तर प्रवेश लेल विषय बदलबाक विकल्प, समय पर परीक्षा आ रिजल्ट घोषणा, एमएलएस सरिसब कॉलेज मे कॉमर्स कोर्स प्रारम्भ , आ प्रत्येक कॉलेज मे लड़का-लड़की लेल अलग-अलग कॉमन रूम केर मांग केलक अछि। अन्य प्रमुख मांग – J.K. कॉलेज बिरौल मे कॉमन रूम केर सुविधा उपलब्ध कराबय, BMA बहेरी केर परीक्षा केंद्र बनेबाक आ विश्वविद्यालय मे नियमित शैक्षणिक कार्यक्रम सुनिश्चित करब शामिल छल।

जेना की MSU द्वारा आजुक दिन ज्ञापन देल गेल अछि, ताहि अनुसार अखन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय कें कुलपति संग समस्त विश्वविद्यालय प्रशासन लग लगभग 1 मासक समय छनि। जं 1 मास मे कोनो तरहक ध्यानाकर्षण विश्वविद्यालय द्वारा नहि भेल तखन संभावना अछि जे निर्धारित तिथि 24 सितम्बर क’ मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा विशाल छात्र प्रदर्शन (विश्वविद्यालय घेराव) करत।

