spot_img
Wednesday, August 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिछात्र आंदोलन केर बात मानि क' हेमंत सरकार फसल बीच मझधार :JSSC...

छात्र आंदोलन केर बात मानि क’ हेमंत सरकार फसल बीच मझधार :JSSC आ CGL कें सफल अभ्यर्थी लोकनिक द्वारा आमरण अनशन केर चेतावनी !

-

लहरि रूम (रांची) : JSSC आ CGL के नियुक्ति रद्द भेला के बाद चयनित उम्मीदवार आओर कर्मचारी के विरोध केर शुरुआत भ गेल अछि। राजधानी रांची मे पिछला 24 घंटा स बरखा केर बादो भारी संख्या मे कर्मचारी प्रोजेक्ट भवन क सामने ठाढ़ रहला अछि । कर्मचारी सब के कहनाय छनि जे सरकार के एहि फैसला सँ हुनकर रोजगार आओर भविष्य खतरा मे पड़ि गेल अछि। हुनका सबके कहब छनि जे अखन धरि हुनका सबके कोनो लिखित आदेश नहि देल गेल अछि जे ओ सब आब झारखण्ड सरकार केर काजक कर्मचारी नहि छथि।

बरखा के बीच विरोध जारी अछि, आमरण अनशन के चेतावनी
अविराम बरखा के बावजूद राजधानी रांची मे कर्मचारी के विरोध जारी छनि। प्रदर्शनकारी चेतावनी देलक अछि जे सरकार अपन निर्णय के वापस नहि करत त’ आंदोलन तेज भ’ जायत। कर्मचारी सब जरुरत पड़ला पर अनशन करबाक बात कहलनि अछि। हुनका सबके कहनाइ छनि जे जा धरि नियुक्ति रद्द करबाक फैसला वापस नहि लेल जायत ता धरि आंदोलन चलैत रहत ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts