spot_img
Wednesday, August 12, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिविद्यार्थी परिषद् केर 110 कार्यकर्त्ता पुलिस हिरासत मे : झारखण्ड विधानसभा केर...

विद्यार्थी परिषद् केर 110 कार्यकर्त्ता पुलिस हिरासत मे : झारखण्ड विधानसभा केर मानसून सत्र 1 दिन पहिने भेल समाप्ति केर घोषणा !

-

लहरि रूम(रांची) : काइल दिनांक 10 अगस्त 2026 सोम दिन क’ आंदोलन रहित छात्र सबके ऊपर भेल लाठी चार्ज केर विरोध मे भारतीय जनता पार्टी झारखण्ड प्रदेश के द्वारा राज्यव्यापी बंद बजाओल गेल छल। प्रत्येक मंडल के दायित्व देल गेल छल जे योजना अनुसार हर मंडल अपन अपन मंडल मे बंद के सफल बनाओत। प्रशासन सेहो अपना आपके चुस्त दुरुस्त केने छल। जतय जतय प्रदर्शनकारी लोकनि उग्र भेला हुनक उग्रता केर येन तेन प्रकारेण प्रशासन द्वारा शांत करा देल गेल। एहि राज्यव्यापी बंद मे भारतीय जनता पार्टी केर अनुसांगिक इकाई अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद् सेहो अपन सक्रियता देखेबाक प्रयास कयलक।

झारखंड राज्य मे भर्ती परीक्षा मे अनियमितता के ल’ क’ जारी विरोध प्रदर्शन के बीच विधानसभा के मार्च के दौरान 110 एबीवीपी सदस्य के हिरासत मे लेल गेल, जाहि सँ पुलिस आ प्रदर्शनकारी के बीच झड़प भेल । छात्र पर कथित लाठीचार्ज के विरोध मे भाजपा विधायक के हंगामा के कारण राज्य विधानसभा के एक दिन पहिने अनिश्चितकाल हेतु स्थगित क’ देल , जाहि सँ सरकार पर आब छात्र आंदोलन केर दृष्टिकोण सँ दबाव बढ़ि गेल अछि। मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन कहला अछि जे सीआईडी ​​(CID) क’ जांच जारी अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts