पुंछ : वायुसेनाक मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे शनिदिन साँझ करीब 6.15 बजे पुंछ जिलाक सुरनकोटे क्षेत्र मे वायुसेनाक काफिला पर आतंकवादी द्वारा घात लगा क’ हमला कयल गेल जाहि मे एकटा जवान शहीद भ’ गेला । चारि टा जवान घायल अछि। आतंकी सब वायु सेनाक काफिला मे दूटा गाड़ी मे सँ एकटा गाड़ी क’ निशाना बना क’ अंधाधुंध गोलीबारी केलक। वायुसेना केँ प्रवक्ता ट्विटर पर कहलनि जे, आतंकी केँ संग भेल मुठभेड़ मे वायुसेना केँ पांच जवान घायल भ’ गेल छला । हुनका लगक अस्पताल पठा देल गेल छलनि । इलाजक क्रम मे एकटा जवान केँ मृत्यु भ’ गेलनि । स्थानीय सैन्य इकाई द्वारा घटनाक क्षेत्र केँ घेराबंदी क’ तलाशी अभियान चलाओल जा रहल अछि।
Trending Now

आतंकवादी द्वारा वायुसेनाक गाड़ी पर अंधाधुंध गोलीबारी , एक जवान शहीद आओर चारि गोटे घायल
-