spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिअंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद केँ आह्वान पहिले करू मतदान तखन जलपान

अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद केँ आह्वान पहिले करू मतदान तखन जलपान

-

रांची : अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद राँची जिला इकाई केँ उपाध्यक्ष द्वय श्री यतीन्द्र लाल दास एवं श्री राजकुमार पोद्दार जी के संग संध्या काल चाय पर लोकसभा चुनाव पर चर्चा के क्रम में निर्णय भेल जे पहिले मतदान तखन जलपान करि एवं अगल बगल के लोक के सेहो प्रेरित करि जे मतदान अपन स्वतंत्र अधिकार अछि किनको दबाब में नहि आबि नहि करि ।समस्त समाजक हित मे जे पार्टी काज केने अछि ताहि पर बिचार सेहो समाजिक रुपे करि ।
मैथिली भाषा केँ अष्टम अनुसूची मे स्व. अटल बिहारी बाजपेयी जी लेलाह त’ झारखण्डक द्वितीय राज्य भाषाक दर्जा श्री रघुवर दास जी सरकारक देन अछि ।अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद झारखण्ड प्रदेशक मानब जे लोकसभा 2024 कें मतदान मे मैथिल जन बढि चढ़ि क’ हिस्सा ली । एहि बैसारक जानकारी अंतर्राष्टीय मैथिली परिषद झारखण्ड प्रदेश केँ अध्यक्ष अमरनाथ झा देलनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts