spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिसिंगापुर मे तबाही जाहि मचल अछि : ताहि कोरोना केँ KP1 आ...

सिंगापुर मे तबाही जाहि मचल अछि : ताहि कोरोना केँ KP1 आ KP2 वेरिएंट क’ संक्रमण भारत मे पहुँचल

-

लहरि रूम : सिंगापुर मे कोरोना (COVID – 19 )केँ नव लहरि केँ ल’ क’ दुनिया सब देश चिंतित अछि। आब ई बात सामने आबि गेल अछि जे सिंगापुर मे तबाही मचाबय वाला कोरोना केँ वेरिएंट भारत मे सेहो संक्रमित भेट रहला अछि। भारत मँ कोरोना संक्रमण केँ निगरानी करै वाला भारतीय सार्स CoV-2 जीनोमिक्स कंसोर्टियम (INSACOG) केँ आंकड़ा सँ एहि बातक खुलासा कयल गेल अछि । आंकड़ा केँ अनुसार भारत मे कोरोना वेरिएंट केपी1 के 34 आ केपी2 के 290 मामला सामने आयल अछि।
एहि राज्य मे भेटल मरीज
आंकड़ा केँ अनुसार देशक सात राज्य मे केपी1 केस दर्ज भेल अछि, जाहि मे सबसँ बेसी 23 मामला पश्चिम बंगाल मे भेटल अछि। गोवा (1), गुजरात (2), हरियाणा (1), महाराष्ट्र (4), राजस्थान (2), उत्तराखंड (1) मे केपी1 संक्रमित मरीज भेटल अछि। देश मे केपी2 सं संक्रमित मरीज केँ संख्या 290 अछि, जाहि मे सँ अधिकतम मरीज महाराष्ट्र मे भेटल अछि (148)। संगहि दिल्ली (1), गोवा (12), गुजरात (23), हरियाणा (3), कर्नाटक (4), मध्य प्रदेश (1), ओडिशा (17), राजस्थान (21), उत्तर प्रदेश (8), 16 उत्तराखंड मे आ पश्चिम बंगाल मे 36 मरीजक पता चलल अछि।

मरीज मे गंभीर लक्षण नहि देखाइत अछि
स्वास्थ्य मंत्रालय स॑ जुड़ल सूत्रक केँ अनुसार केपी 1 आओर केपी2 सेहो कोरोना केँ जेएन1 वेरिएंट केँ उप-रूप छै । मुदा एहि वेरिएंट सँ संक्रमित मरीज मे एखन धरि एहि बीमारी केँ गंभीर लक्षण नहिं देखबा मे आयल अछि आओर अस्पताल मे भर्ती मरीज केँ संख्या सेहो कम अछि. एहन स्थिति मे कोनो चिन्ता नहि। स्वास्थ्य मंत्रालय केँ सूत्रक कहनाय छनि जे एहि वेरिएंट मे उत्परिवर्तन (म्यूटेशन) केँ प्रक्रिया जारी रहत आओर ई कोरोना वायरस केँ सेहो प्रकृति अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts