spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिप्रज्जवल रेवन्ना (यौन शोषण केँ आरोपी) के देश वापस अबैत देरी एयरपोर्ट...

प्रज्जवल रेवन्ना (यौन शोषण केँ आरोपी) के देश वापस अबैत देरी एयरपोर्ट पर एसआईटी द्वारा गिरफ्तार कयल गेल, जज केँ समक्ष पेश कयल जायत।

-

लहरि रूम : मीडिया सूत्र केँ अनुसार यौन उत्पीड़न केँ आरोप मे आरोपित निलंबित जेडीएस नेता प्रज्जवल रेवन्ना केँ अंततः एसआईटी गिरफ्तार क’ लेलक अछि। जर्मनी कें म्यूनिख सँ बेंगलुरु हवाई अड्डा पहुंचैत देरी केम्पेगौडा अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा पर विशेष जांच दल (एसआईटी) द्वारा गिरफ्तार कय लेल गेल।आइ हुनका जज केँ समक्ष पेश हेबाक संभावना अछि। रेवन्ना सेक्स वीडियो कांड मे प्रज्जवल मुख्य आरोपी छथि। सूत्रक अनुसार प्रजवाल म्यूनिख सँ लुफ्थांसा एयरलाइन केँ बिजनेस क्लास एयर टिकट बुक केने छलाह। टिकट बुकिंग केँ दौरान रेवना अपन संपर्क नंबर आ ईमेल आईडी शेयर नहि केने छलीह। , प्रज्जवल रेवन्ना फ्लाइट मे चढ़ैत छलाह ताहि समय सँ एसआईटी एयरलाइन आ अधिकारि क’ संग तालमेल बना क’ प्रज्जवल पर नजरि रखबा लेल तैयार भ’ चुकल छल। ध्यान देबय वाला बात ई कि यौन उत्पीड़न केँ आरोप केँ सामना करी रहल प्रज्जवल रेवन्ना द्वारा 31 मई क’ भारत वापसी केँ घोषणा करी वीडियो संदेश जारी क’ कहने छला । जकर बाद एसआईटी पहिने सँ रेवन्ना क’ बेंगलुरु अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा पर गिरफ्तार करबा लेल तैयार भ’ गेल छल। हालहि मे इंटरपोल रेवन्ना के खिलाफ ब्लू कॉर्नर नोटिस जारी केने छल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts