spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिकी भारतीय जनता पार्टी परिवार मे सब ठीक ठाक अछि ?

की भारतीय जनता पार्टी परिवार मे सब ठीक ठाक अछि ?

-

लहरि रूम : दिनाँक 9 जून क’ विश्व केँ सब सँ पैघ लोक तंत्र केँ महापर्व केँ आहुति दिवस छल। काईल संध्या काल मे अनेको मंत्रीगण संग प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अपन सहयोगी दलक संग तेसर बेर भारत केँ प्रधानमंत्री पदक शपथ लेलनि अछि। वास्तविकता अछि जे नव सरकार जे बनल अछि ओहि मे दू घटक दल प्रथम TDP आओर दोसर JDU केँ भूमिका अहम् अछि। आम जनमानस केँ कहब अछि जे वर्तमान मोदी सरकार दू टा वैशाखी केँ सहारा पर चलि रहल अछि। काईल राष्ट्रपति भवन मे जतय हर्षोलास केँ माहौल छल।

मुदा ओहि काल मे दू टा व्यक्तित्व एक दोसर केँ अगल बगल मे बैसल छला। चुकि दुनू व्यक्तित्व बैसकी केँ प्रथम पाँति मे छला , जाहि सँ मीडिया केँ कैमरा केँ बीच सदिखन अबैत छला। वो दुनू एक दोसर सँ कखनो बात करैत नहि देखल गेला। हमेशा अपन चेहरा एक दोसर केँ विपरीत राखलैथ। संभावना अछि जे दुनू भारतीय जनता पार्टी केँ शिर्षथ नेतृत्व केँ मध्य सम्बन्ध ठीक बुझना जा रहल अछि। वास्तविकता त’ अछि जे दुनू गोटे नव सरकारक गठन मे 9 जून 2024 क’ संध्याकाल मंत्री पदक शपथ लेलनि। जाहि व्यक्तित्व केँ लहरि क’ रहल अछि ओ व्यक्तित्व छथि अमित शाह आओर दोसर नीतिन गडकरी छथि। ईश्वर सँ कामना करैत छी, जे दुनू केँ सम्बन्ध मे माधुर्यता होनि आ दुनू गोटे एक दोसर केँ प्रति स्नेह रखैत होइथ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts