spot_img
Saturday, March 21, 2026
spot_img
Homeटटका खबरि 6 जुलाई क’ राहुल गाँधी सशरीर हाजिर होउथ  : एमपी-एमएलए कोर्ट ,रांची

 6 जुलाई क’ राहुल गाँधी सशरीर हाजिर होउथ  : एमपी-एमएलए कोर्ट ,रांची

-

राँची: राहुल गांधी मानहानि के मामला मे मंगलदिन रांची के सांसद विधायक कोर्ट मे सुनवाई भेल। जतय कोर्ट हुनका कोर्ट मे शारीरिक रूप सं मौजूद रहय लेल कहलक अछि। दरअसल कांग्रेस के पूर्व अध्यक्ष के पहिने सं शारीरिक रूप सं मौजूद रहय लेल कहल गेल छल, मुदा मंगलदिन होबय वाला सुनवाई मे ओ हाजिर नहिं भेलाह. एहि कारण स कोर्ट आगू क कार्रवाई करबा मे अपन असमर्थता व्यक्त केलक। आब एहि मामला क अगिला सुनवाई 6 जुलाई कए होयत।

भाजपा कार्यकर्ता शिकायत दर्ज करौने छलाह

असल मे भाजपा कार्यकर्ता नवीन झा तत्कालीन राष्ट्रीय अध्यक्ष अमित शाह के खिलाफ आपत्तिजनक टिप्पणी के लेल राहुल गांधी के खिलाफ शिकायत दर्ज करौने छलाह. एकर बाद मामला कए चाईबासा क सांसद-विधायक अदालत मे स्थानांतरित करि देल गेल। एहि मामला मे 27 फरवरी 2024 कए कोर्ट राहुल गांधी क खिलाफ गैर जमानत वारंट जारी केने छल। एहि पर रोक लगाबय लेल कांग्रेस के पूर्व अध्यक्ष हाईकोर्ट मे याचिका दायर केने छलाह. एकर बाद हाईकोर्ट एहि कार्यवाही पर रोक लगा देने छल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts