लहरि रूम : 23 नवंबर 2021 क’ भारतीय जनता पार्टी छोड़ी दिल्ली मे टीएमसी प्रमुख ममता बनर्जी सँ भेंट केलाक बाद ओ तृणमूल कांग्रेस (टीएमसी) मे सम्मलित भेल छला कीर्ति वर्धन भागवत झा आजाद ” कीर्ति झा आजाद”।
लोकसभा चुनाव 2024 केँ वोटक गिनती 4 जून क’ भेल छल। पश्चिम बंगाल केँ बर्धामन-दुर्गापुर लोकसभा क्षेत्र केँ परिणाम पर सेहो लोकक नजरि छल ।पूर्व क्रिकेटर कीर्ति झा आजाद केँ एहि सीट सँ विजय श्री केँ आशीवार्द भेटलनि ।तृणमूल कांग्रेस (टीएमसी) क’ उम्मीदवार कीर्ति आजाद अपन निकटतम प्रतिद्वंदी दिलीप घोष क’ 1,37,981 (एक लाख सत्तीस हजार नौ सौ एकैसी) वोट सँ परास्त कयलनि । दिलीप घोष भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) सँ चुनाव लड़ि रहल छलाह।