spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिउड़ीसा मे मोहन माँझी अपन 2 टा उपमुख्यमंत्री आओर 13 मंत्री संग...

उड़ीसा मे मोहन माँझी अपन 2 टा उपमुख्यमंत्री आओर 13 मंत्री संग शपथ लेलनि

-

नई दिल्ली :उड़ीसा मे पहिल बेर भाजपा सरकार बनल। केओनझार केँ विधायक मोहन चरण माझी आई भाजपा केँ पहिल मुख्यमंत्री केँ शपथ लेलनि। हुनका संग केवी सिंह देव आओर प्रभाती परिदा राज्य केँ उपमुख्यमंत्रीक पदक शपथ लेलनि। एकर संग ही पहिल बेर उड़ीसा मे एक सीएम, दू डिप्टी सीएम आओर 13 मंत्री सँ बनल सरकार केँ गठन करल गेलै । 5 बजे सँ शपथ ग्रहण समारोह शुरू भेल। ई कार्यक्रम भुवनेश्वर केँ जता मैदान मे आयोजित भेल छल। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ओडिशा केँ मुख्यमंत्री केँ रूप मे मोहन चरण मांझी केँ शपथ ग्रहण समारोह मे शामिल होबय लेल भुवनेश्वर पहुंचलाह। ओडिशा केँ राज्यपाल रघुबर दास आओर खुद मोहन चरण मांझी हवाई अड्डा पर पीएम मोदी केँ स्वागत केलनि। एहि कार्यक्रम मे केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह सेहो भाग लेलथि। शपथ ग्रहण समारोह मे उत्तराखंड के मुख्यमंत्री पुष्कर सिंह धामी। उत्तर प्रदेश केँ सीएम योगी आदित्यनाथ आओर गुजरात के सीएम भूपेंद्र पटेल सेहो उपस्थित छलाह. पूर्व सीएम नवीन पटनायक सेहो शपथ ग्रहण समारोह मे शामिल भेलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts