नवका दिल्ली/ केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाह रविदिन जम्मू-कश्मीरमे एहि क्षेत्रमे भेल आतंकी हमलाक परिप्रेक्ष्यमे सुरक्षा स्थितिक समीक्षा कयलनि। शाह 29 जूनसँ शुरू होबयवला वार्षिक अमरनाथ तीर्थयात्राक तैयारीक समीक्षा सेहो कयलनि।
सूत्र कहलनि जे गृहमंत्रीकेँ जम्मू-कश्मीरक वर्तमान स्थितिक विषयमे विस्तृत जानकारी देल गेल छल आ सुरक्षा बल आबयवला दिनमे ओतय आतंकवाद विरोधी अभियान तेज करबाक सम्भावना अछि। ओ कहलनि जे आतंकवादीक खिलाफ अभियान प्रधानमंत्रीक निर्देशानुसार चलायल जायत।
शाह एतय यानी केन्द्रीय राजधानी के नॉर्थ ब्लॉकमे एकटा उच्चस्तरीय बैसारक अध्यक्षता कयलनि। तीन दिन पहिने प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सेहो एही मुद्दा पर बैसार केने छलाह, जाहिमे ओ अधिकारी सभकेँ सुरक्षा व्यवस्थाक सम्बन्धमे निर्देश देने छलाह।
बैसारमे राष्ट्रीय सुरक्षा सलाहकार अजित डोभाल, जम्मू-कश्मीरक उपराज्यपाल मनोज सिन्हा, सेना प्रमुख जनरल मनोज पांडे, अगिला सेना प्रमुख मनोनीत लेफ्टिनेंट जनरल उपेन्द्र द्विवेदी, केन्द्रीय गृह सचिव अजय भल्ला, खुफिया ब्यूरोक निदेशक तपन डेका, केन्द्रीय रिजर्व पुलिस बल (सीआरपीएफ)क महानिदेशक अनीश दयाल सिंह, बीएसएफक महानिदेशक नितिन अग्रवाल, जम्मू-कश्मीर पुलिस महानिदेशक आर आर.स्वैन आ अन्य शीर्ष सुरक्षा अधिकारी उपस्थित छलाह।
सूत्र बतौलनि जे पछिला शुक्रदिन भेल एकटा बैसारमे शाहकेँ जम्मू-कश्मीरक सुरक्षा स्थिति, अन्तर्राष्ट्रीय सीमा आ नियंत्रण रेखापर सुरक्षा बलक तैनाती, घुसपैठक प्रयास, आतंकवाद-विरोधी अभियानक स्थिति आ केन्द्र शासित प्रदेशमे सक्रिय आतंकवादीक विषयमे जानकारी देल गेल।
आतंकवादी पछिला चारि दिनसँ जम्मू-कश्मीरक रियासी, कठुआ आ डोडा जिलामे चारि ठाम हमला कयलक, जाहिमे नौ तीर्थयात्री, सीआरपीएफ के एकटा जवान मारल गेल, आ सात सुरक्षाकर्मी आ कतेको अन्य घायल भऽ गेलाह।
कठुआ जिलामे सुरक्षा बलक सङ्ग मुठभेड़मे दूटा संदिग्ध पाकिस्तानी आतंकवादी सेहो मारल गेल आ हुनका सभसँ भारी मात्रा मे हथियार आ गोला-बारूद बरामद कयल गेल।
9 जूनकेँ आतंकवादी तीर्थयात्रीसभकेँ लऽ जा रहल बसपर गोली चलओलनि जखन ओ बस शिव खोरी मन्दिरसँ कटरा जा रहल छल।
बस उत्तर प्रदेश, राजस्थान आ दिल्लीक तीर्थयात्रीसभकेँ लऽ जा रहल छल। गोलीबारीक बाद बस गहींर खाईमे खसि पड़ल, जाहिमे नौ गोटा यात्रिक मृत्यु भऽ गेल आ 41 गोटे घायल भऽ गेलाह।
आतंकवादी 11 जूनकेँ भद्रवाहमे एकटा संयुक्त राष्ट्रीय राइफल्स आ पुलिस चौकी पर गोलीबारी केने छल। आतंकवादी 12 जूनकेँ डोडा जिलाक गंदोह क्षेत्रमे एकटा खोज दलपर हमला कयने छल, जाहिमे एकटा पुलिसकर्मी सहित सात सुरक्षाकर्मी घायल भऽ गेल छलाह।