नई दिल्ली/ अमेरिकामे सिख अलगाववादीक अनुबंध हत्याक षड्यंत्रमे कथित संलिप्तताक आरोपमे चेक गणराज्य पुलिस द्वारा गिरफ्तार भारतीय नागरिक निखिल गुप्ताकेँ चेक गणराज्यसँ संयुक्त राज्य अमेरिकामे प्रत्यर्पित कऽ देल गेल अछि। अमेरिकी अखबार द्वारा प्रकाशित समाचारमे ई खुलासा कैल गेल अछि।
सिख अलगाववादी गुरपतवंत सिंह पन्नूक हत्याक षड्यंत्रमे कथित संलिप्तताक आरोपमे गुप्ताकेँ पछिला साल अमेरिकी सरकारक अनुरोधपर चेक गणराज्यमे गिरफ्तार कयल गेल छल। हुनका आइ न्यूयॉर्कक संघीय अदालतमे उपस्थित होयबाक आशा अछि।
गुप्ताक प्रत्यर्पणक खबरि सबसँ पहिने अमेरिकाक प्रमुख समाचार समूह द्वारा देल गेल छल। वर्तमानमे हुनका ब्रुकलिनक संघीय महानगरीय निरोध केन्द्रमे राखल गेल अछि आ बन्दीक रूपमे ओ ओत छथि।
अखबार के खबरि के मुताबिक चेक गणराज्य मे हिरासत मे लेल गेल गुप्ता के सप्ताहांत मे न्यूयॉर्क आनल गेल छलै। एहि मामला मऽ एकटा भारतीय जासूस सनक अधिकारियों का नाम आबि रहल अछि। मुद एखनधरि ओ नाम उजागर नहि भेल अछि।
संघीय अभियोजकलोकनिक आरोप अछि जे गुप्ता एकटा व्यक्तिकेँ ठेका देने छलाह आ पन्नूक हत्याक लेल अग्रिम रूपमे 15,000 अमेरिकी डॉलर देने छलाह। हुनक आरोप छैन जे एहिमे भारत सरकारक एकटा अधिकारी सेहो शामिल छल, जकर नाम नहि लेल गेल अछि।
गुप्ताक प्रत्यर्पण एहन समय पर भेल अछि जखन अमेरिकाक राष्ट्रीय सुरक्षा सलाहकार जेक सुलिवनसँ भारतक यात्रा पर आवि रहल छथि। ओ वार्षिक आईसीईटी वार्ताक लेल नयी दिल्ली पहुंचता। उनक कार्यक्रम पहिल सं तय अछि। ओ अपन भारतीय समकक्ष अजित डोभालक सङ्ग कतेको मुद्दा पर वार्ता करता।
भारत एहन मामलामे कोनो संलिप्ततासँ इनकार कयलक अछि आ आरोपक जाँच शुरू कऽ देलक अछि। गुप्ता अपन ओकीलक माध्यमसँ सेहो आरोपक खण्डन करैत कहलनि जे हुनका पर पक्षपातपूर्ण तरीकासँ आरोप लगाओल गेल अछि।