नई दिल्ली/रांची/पटना/ लद्दाखसँ झारखण्ड आ उत्तर-पश्चिम भारतक एकटा पैघ भागमे भीषण लूक स्थिति बनल अछि। उत्तर प्रदेशमे प्रयागराजमे अधिकतम तापमान ४७.६ डिग्री सेल्सियस दर्ज कयल गेल।
भारतीय मौसम विज्ञान विभागक कार्यालय कहलक जे पछिला २४ घंटामे उत्तर प्रदेश, हरियाणा, चंडीगढ़, दिल्ली, उत्तराखंड, हिमाचल प्रदेश, मध्य प्रदेश, झारखंड आ बिहारक अधिकांश स्थानपर अधिकतम तापमान सामान्यसँ बेसी (५.१ डिग्री सेल्सियस या ओहिसँ बेसी) रहल। राष्ट्रीय राजधानीमे अधिकतम तापमान ४५ डिग्री सेल्सियससँ ऊपर दर्ज कयल गेल, जे सामान्यसँ सात डिग्री बेसी छल।
उत्तराखंडमे देहरादूनमे अधिकतम तापमान ४३.१ डिग्री सेल्सियस दर्ज कयल गेल, जे मौसमक औसतसँ ९.५ डिग्री बेसी छल, जखन कि हिमाचल प्रदेशक ऊनामे अधिकतम तापमान ४४ डिग्री सेल्सियस दर्ज कयल गेल, जे मौसमक औसतसँ ६.७ डिग्री बेसी छल। जम्मू-कश्मीरक कटरामे अधिकतम तापमान ४०.८ डिग्री सेल्सियस दर्ज कयल गेल, जे सामान्यसँ ५.७ डिग्री बेसी छल, जखन कि जम्मूमे पारा ४४.३ डिग्री सेल्सियस धरि चलि गेल।
झारखण्डमे डाल्टनगंजमे अधिकतम तापमान ४६ डिग्री सेल्सियस दर्ज कयल गेल, जे सामान्यसँ ९.१ डिग्री बेसी छल। मौसम कार्यालय अगिला २४ घंटाक दौरान उत्तर-पश्चिम भारतमे अधिकतम तापमानमे कोनो बदलाव नहि होयबाक भविष्यवाणी कयलक अछि। ओना, झारखण्ड सहित पश्चिम बंगाल आ ओडिशामे तापमानमे गिरावटक संकेत भेटि रहल अछि। झारखण्डमे राजधानी रांची आ लगपासक क्षेत्रमे आसमान बादल छायल अछि आ तेज बसात चलि रहल अछि। एहि कारणेँ एतय गरमीसँ किछु राहत भेटैत अछि।
आईएमडीक पूर्वानुमानमे कहल गेल अछि जे मध्य आ पूर्वी भारत अगिला तीन दिन धरि उच्च तापमानसँ लड़ैत रहत आ तकर बाद किछु राहतक अपेक्षा अछि। पंजाब आ हरियाणामे कोनो कमी नहि आयल अछि किएक तँ पछिला कतेको दिनसँ लूक स्थिति जारी अछि। चण्डीगढ़मे अधिकतम तापमान ४४.५ डिग्री सेल्सियस दर्ज कयल गेल।
राजस्थानक कतैको ठाम सोमदिन दिनक तापमान सामान्यसँ एक डिग्री सँ ६.५ डिग्री सेल्सियस बेसी दर्ज कयल गेल। श्री गंगानगरमे अधिकतम तापमान ४६.२ डिग्री सेल्सियस छल।
दिल्लीमे भीषण लू चलैत रहत, सोमदिन अधिकतम तापमान ४५.२ डिग्री सेल्सियस रहल। मौसम विभाग १९ जूनसँ भीषण गरमीसँ किछु राहतक भविष्यवाणी कयलक अछि। राष्ट्रीय राजधानीमे रेड अलर्ट जारी कयल गेल अछि जे मंगलदिन लागू रहत आ अधिकतम तापमान ४५ डिग्री सेल्सियस रहबाक सम्भावना अछि।
राजधानी क्षेत्र दिल्ली आ ओकर लगपासक क्षेत्रक अधिकांश स्थानपर लूक स्थिति दर्ज कयल गेल। मौसम विभाग मंगलदिन दिल्लीमे कतेको ठाम लूसँ लऽ कऽ भीषण लूक स्थितिक सङ्ग आसमान साफ रहबाक भविष्यवाणी कयलक अछि। अगिला दू दिन धरि दिल्लीमे तेज बसात चलत। भारतीय मौसम विज्ञान विभाग (आईएमडी) मौसमक चेतावनीक लेल चारिटा रंग कोडक उपयोग करैत अछि। हरियर (कोनो क्रियाक आवश्यकता नहि), पीयर (निगरानी करू आ अद्यतन रहू), नारंगी (तैयार रहू) आ लाल (कार्रवाई करू)। मौसम विभाग एहि कोडक माध्यमसँ अपन बिन्दुकेँ उजागर करैत अछि।
आईएमडी द्वारा सात दिनक पूर्वानुमानक अनुसार, बुधदिनसँ राष्ट्रीय राजधानीमे हल्लुक राहत भेटत। दिल्ली बुध आ बृहस्पति दिन पीत चेतावनी पर रहबाक आशा अछि, जखन कि शुक्र आ शनि केँ एकरा ग्रीन अलर्ट पर राखल जायत। मौसम विभागक अनुसार, बुधदिनक बाद एकटा नव पश्चिमी विक्षोभ उत्तर-पश्चिम भारत दिस बढ़त, जाहिसँ राष्ट्रीय राजधानी सेहो प्रभावित होयत आ राहत भेटत। एहि कारणेँ बरखाक सम्भावना सेहो अछि।
बिहारमे लू जारी अछि। अगिला २ दिन धरि राहत भेटबाक कोनो आशा नहि अछि। सोमदिन राज्यमे लूक कारण १४ लोकक मृत्यु भऽ गेल। एहिमे औरंगाबादमे ६, जहानाबादमे ३, गयामे ५ गोटे सम्मिलित छथि। मौसम विभाग आइ बिहारक ९ जिलामे भीषण लूक रेड अलर्ट जारी कयलक अछि। एहिमे पटना, जहानाबाद, गया, औरंगाबाद, अरवल, रोहतास, कैमूर, भोजपुर आ बक्सर सम्मिलित अछि। ८ जिलामे लूक ऑरेंज अलर्ट जारी कयल गेल अछि। एहिमे सिवान, सारण, वैशाली, शेखपुरा, बेगूसराय, समस्तीपुर, नवादा आ नालन्दा सम्मिलित अछि। एकर अतिरिक्त कटिहार, पूर्णिया, किशनगंज, अररिया, मधेपुरा, सहरसा, सुपौल, दरभंगा, मधुबनी, सीतामढ़ी, शिवहर, पूर्वी चम्पारण, पश्चिम चम्पारण मे १३ जिला मे हल्का बरखाक संभावना अछि।
झारखण्डमे दक्षिण छोटानागपुरक किछु क्षेत्रमे तेज बसात चलि रहल अछि। कहल जाइत अछि जे हवामे नमीक मात्रा बेसी अछि। मौसम अधिकारीसभक कहब छैन जे ई मानसूनक समय नहि अछि मुदा बरखाक सम्भावनासँ इनकार नहि कयल जा सकैत अछि। रांची आ लगपासक क्षेत्रमे पहिने सेहो मानसून पूर्व बरखा होइत रहल अछि। मौसम विभागक रांची केन्द्र १७ जूनकेँ बरखा होयबाक भविष्यवाणी कयने छल। ओना किछु क्षेत्रमे बूंदाबांदी भेल अछि, मुदा बरखा अपेक्षानुसार नहि देखल जा रहल अछि। मंगल दिन भोरमे आकाशमे बादल छलैक आ बरखाक पूरा सम्भावना छल, मुदा हवाक तेज गतिक कारण बरखा नहि आबि सकल। मुदा, हवामे नमी आ आकाशमे बादलक कारण लोक राहतक अनुभव कऽ रहल छथि। संगहि रांची आ लगपासक तापमानमे सेहो भारी गिरावटक अनुभव भऽ आयल अछि।