spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि20 जून 2024 अंन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद32म स्थापना दिवस पर कयलक मिथिला राज्यक...

20 जून 2024 अंन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद32म स्थापना दिवस पर कयलक मिथिला राज्यक मांग – डा धनाकर ठाकुर

-

डॉ अशोक कुमार अविचल, जमशेदपुर पूर्व संयोजक, मैथिली, साहित्य अकादमीक अध्यक्षतामे जमशेदपुरक अध्यक्षतामे गूगल मीटिंग द्वारा स्थापना दिवस मनावर गेल जकर संचालन करैत पंकज कुमार झा जमशेदपुर बजलाह। बजलाह कि अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद देश-विदेशमे मैथिलसभक संगठन अछि । संस्थापक डॉक्टर धनाकर ठाकुर , प्रोफेसर एवं विभाग अध्यक्ष मेडिसिन, शाहजहांपुर अपन विस्तृत वक्तव्यमे 1993 मे संगठनशून्यताक स्थितिमे एक युवा चिकित्सकक रूपमे संगठनकें भारत नेपालक मैथिल हेतु प्रारंभ केलाह।तत्कालीन पैघ व्यक्ति लालकृष्ण आडवाणी, उपप्रधानमंत्री,मातृका प्रसाद कोइराला,काठमांडू, पूर्व प्रधानमंत्री,नेपाल, योगेन्द्र झा, विश्व हिन्दू महासंघ ,डा लक्ष्मण झा, डा सुरेन्द्र झा सुमन आदिक शुभकामना रांचीमे 19-20 जून 1993 क प्रथम अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन भेल जकर अध्यक्षता तत्कालीन महाप्रबंधक प्रोफेसर सुरेश झा अजीत,स्टील अथोरिटी केलन्हि। भारती संगठन होस्ट छल जकर अध्यक्ष एनके गामी छलाह।27 मैथिली संगठन आएलऔर मिथिलाक कृषि आधारित उद्योग बेरोजगारी, पर्यावरण संरक्षण, वैवाहिक सुलभताक संग मैथिली भाषाक आठवां अनुसूचीमे आनब, मिथिला क्षेत्रकें एक शासकीय इकाइ रूपमे गठित करब आदि विषय पर अनेक परिसंवाद भेल जकर बाद निरंतर कार्य मैथिली संगठन लेल चलिए रहल अछि।आदर्श मिथिला पार्टीक तीन उम्मीदवार लोकसभा चुनावमे मधेपुरा, झंझारपुर, खगड़ियासं लड़लाह जाहिमे एक मधेपुरामे तेसर स्थान पर रहलाह। उत्तर प्रदेशक बलियामे सेहो समर्थित उम्मीदवार छलाह। आशा अछि आगामी बिहार विधानसभा चुनावमे शताधिक के उम्मीदवार हेताह।
अध्यक्ष परिषद अध्यक्ष डॉ अशोक कुमार अविचल कहलाह कि अनुषांगिक क्षेत्रकें मजबूत करक चाही और जेना गोवा सम्मेलनमे तय भेल छल गांव आओर‌ पंचायत स्तर पर संपूर्ण मिथिलामे अंतरर्रष्ट्रीय मैथिली परिषदक संगठन चाही। मिथिला शिक्षा मंचक संयोजक पीके झा प्रेम, दलसिंहसराय कहलिह कि
मिथिला क्षेत्रमे अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद् सक्रिय अति जाहमे मिथिला विद्यार्थी परिषद , मिथिला मुस्लिम मंचक सहभागिता अछि।

मिथिला मुस्लिम मंचक अध्यक्ष प्रोफेसर राहत हुसैन , पातेपुर बजलाह कि मिथिला राज्य लेल मिथिलाक सब हिंदू मुसलमान संघ अछि।
मुंबईक शेलेन्द्र झा कहलाह कि अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद नियमित 259 गूगल मीटिंग द्वारा मैथिलीकें जोड़ने अछि । विधुकांत मिश्र , प्रयागराज, अध्यक्ष मिथिला राज्य निर्माण समिति कहलाह कि परिषद् कें संगठन लेल धनक आवश्यकता से मिथिलाक प्रमुख व्यक्तिसं भेंट करी।
बोकारोसं गंगेश पाठक परिषदकें बोकारो एवं अंचल के कार्य मजबूत करताह। झारखंड प्रदेश अध्यक्ष अमरनाथ झा, रांची बजलाह कि संगठनक सदस्यता प्राण अछि ।
अंतरराष्ट्रीय परिषद महासचिव नारायण यादव ,जयनगर कहलाह कि डा भुवनेश्वर प्रसाद गुरुमैता, डॉ कमलकान्त झा आओर जनकपुरक राजेश्वर नेपालीक देहावसानसं भारत नेपालक सीमा पर अनाथक अनुभव किंतु अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद यथावत काज करैतरहत।
एकर उपलब्धि बहुत छै मैथिली आठम अनुसूचीमे आनब, झारखंडमे दोसर भाषामे मैथिलीक स्थान आदि।
रांचीसं दर्शनशास्त्रक प्राध्यापिका डॉ आभा झा कहलीह कि अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक कार्यमे महिलाक सहयोग रहत।
प्रसिद्ध उपन्यासकार रविंद्र नाथ मिश्रा, नोएडा ,अध्यक्ष, मिथिला साहित्यकार परिषद रविंद्रनाथ मिश्र कहलाह कि मिथिला राज्य ल क रहब। प्राचार्य , घाटशिला,डॉ रविंद्र चौधरी महासचिव मिथिला साहित्यकार परिषदक उपस्थितसंग रोहन चौधरी आदि संगमे संचालित फेसबुक लाइव प्रोग्राम में डॉक्टर प्रमोद तिवारी सुपरिटेंडेंट मेडिकल कॉलेज बेतिया सुजीत कुमार चौधरी सुनील ठाकुर, बेनीपुर आदि छलाह।
महाकवि विद्यापतिक जय जय भैरवी असुर भयावंनीसं प्रारंभ कार्यक्रम यात्री नागार्जुनक भगवान हमर मिथिला सुख शांतिक घर हो सं समाप्त भेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts