spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिजातीगत आरक्षण पर जेडीयू जायत सुप्रीम कोर्ट :संजय झा

जातीगत आरक्षण पर जेडीयू जायत सुप्रीम कोर्ट :संजय झा

-

पटना : मुख्य न्यायाधीश केवी चंद्रन केँ खंडपीठ एहि पर लंबा सुनवाई केलक। एकर बाद 11 मार्च क’ कोर्ट एहि फैसला केँ सुरक्षित रखने छल। 20 जून 2024 पटना हाई कोर्ट कोर्ट राज्य सरकारक आरक्षण सीमा केँ 50 प्रतिशत सन बढ़ा क’ 65 प्रतिशत करय केँ फैसला केँ रद्द करबाक फैसला देने । एहि सँ वर्तमान नीतीश सरकार केँ पैघ झटका लागल छल। एहि पर जदयू पार्टी केँ नेता आओर राज्य सभा सांसद संजय झा आरक्षण केँ संबंध मे हाईकोर्ट केँ फैसला पर ओ कहलनि जे, सरकार सुप्रीम कोर्ट मे जायत।

NEET – UG PAPER LEAK मामला मे संजय झा कहला जे जांच चलि रहल अछि। जखन ई पूरा भ’ जायत तखन हम सब एहि पर किछु कहब।तेजस्वी यादव केँ पीएस केस कहलनि जे हुनकर पर्सनल असिस्टेंट के नाम आबि रहल अछि, जांच एखनो चलि रहल अछि। हुनकर सब जगह सँ सबटा तार किएक जुड़ि रहल अछि। राज्यसभा सांसद संजय झा तेजस्वी यादव पर पैघ हमला करैत कहलनि जे ईओयू नीट पेपर लीक केस केँ जांच क’ रहल अछि। एखन बेसी कहब ठीक नहि, मुदा केकर पर्सनल स्टाफ केँ नाम सामने आयल अछि से सब केँ पता अछि। जखन-जखन एहन घटना घटित होइत अछि तऽ मात्र एकटा परिवारक नाम सोझाँ अबैत अछि । लैंड फॉर जॉब्स ओहि मामला मे सँ एक अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts