लहरि रूम (मीडिया सूत्र – सँ आकलन ) NEET Paper Leak Case: नीट-यूजी आ यूपी आरओ-एआरओ भर्ती परीक्षा मे पेपर लीक केँ खबर सँ सम्पूर्ण भारत वर्ष मे हड़कंप मचल अछि। प्रश्न पत्र लीक केँ तार बिहार, झारखंड, उत्तर प्रदेश, गुजरात आओर महाराष्ट्र सहित 6 राज्य मे देखा रहल अछि। CBI केँ एहि मामला मे सेहो प्रवेश जाँचकर्ता केँ रूप मे भ’ चुकल अछि।
बिहार मे पेपर लीक आ गिरफ्तारी
बिहार पुलिस नीट-यूजी पेपर लीक केँ जांचक क्रम मे 13 लोक केँ गिरफ्तार केलक अछि। जाहि मे चारिटा उम्मीदवार आओर मुख्य आरोपी अमित आनंद आओर सिकंदर यादवेन्दु सम्मलित छथि। अमित आनंद लाखों रुपैयाक कागजी सौदा कयने छलाह आ पेपर बेचबाक काज सिकंदर यादवेन्दु कएने छलाह । पुलिस प्रश्न पत्र खरीदनिहार छात्र आ अन्य आरोपी केँ सेहो गिरफ्तार क’ लेलक अछि।
पेपर लीक केँ हजारीबाग (झारखण्ड ) कनेक्शन
NEET-UG पेपर लीक सेहो झारखंड केँ हजारीबाग सँ जुड़ल अछि। ओएसिस स्कूल सँ पेपर लीक केँ आशंका अछि, जतय बुकलेट बॉक्स संग छेड़छाड़ केँ सबूत भेटल अछि। पुलिस एतय सँ 6 गोटे के गिरफ्तार केलक अछि। जाहि मे एकटा प्रोफेसर पर सेहो संदेह अछि।
गुजरात केँ गोधरा सँ सबंध – पेपर लीक
गुजरातक गोधरा केँ जय जलाराम स्कूल मे पेपर लीक केँ मामला सामने आयल अछि। जतय अनेकों राज्यक छात्र परीक्षा देलनि एहि ठामक अधीक्षक आ उप अधीक्षक पर दस-दस लाख टका ल’ क’ नकल करेबाक आरोप अछि । गोधरा पुलिस एहि धांधली केँ सिलसिला मे एकटा कोचिंग सेंटर केँ प्रमुख सहित 6 गोटे केँ गिरफ्तार केलक अछि।
महाराष्ट्र मे 4 गोटे केँ खिलाफ प्राथमिकी दर्ज
महाराष्ट्र केँ लातुर जिला मे सेहो नीट-यूजी केँ पेपर लीक केँ मामला सामने आयल अछि। एहि ठाम सँ दूटा शिक्षक सहित 4 गोटे केँ खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कयल गेल अछि। राज्य सरकार एहि मामलाक जांच लेल एसआईटी क’ गठन केलक अछि। नांदेड केँ एटीएस टीम दू टा शिक्षक केँ हिरासत मे ल’ क’ पूछताछ केने छल।
मध्यप्रदेश भोपाल सँ सेहो भेल अछि गिरफ्तारी
यूपी एसटीएफ यूपी आरओ आ एआरओ भर्ती परीक्षा केँ पेपर लीक मामला मे भोपाल, मध्य प्रदेश सँ 6 गोटे केँ गिरफ्तार केलक अछि। एहि मे ओहि प्रिंटिंग प्रेस केँ कर्मचारी सेहो शामिल छथि। जतय सँ कागज लीक भेल छल। एसटीएफ प्रयागराज केँ परीक्षा केंद्र सँ सेहो 10 आरोपी केँ गिरफ्तार केलक अछि।

