शराब घोटाला मे मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल क’ परेशानी कम हेबाक नाम नहि ल’ रहल छनि । अरविंद केजरीवाल केँ आब सीबीआई गिरफ्तार कयलक अछि।
Delhi Excise Policy Case: दिल्ली शराब घोटाला मामला मे केंद्रीय जांच ब्यूरो (सीबीआई) मंगलदिन 25 जून क’ तिहार जेल मे मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल सँ पूछताछ केलक आ ओकर बयान दर्ज केलक। आब आई बुधदिन सीबीआई दिल्ली केँ राउज एवेन्यू कोर्ट मे अरविंद केजरीवाल केँ पेश केलक। कोर्ट मे पेश भेला केँ बाद सीबीआई अरविंद केजरीवाल केँ गिरफ्तार क’ लेलक अछि।
अरविंद केजरीवाल केँ CBI द्वारा गिरफ्तारी
केंद्रीय जांच ब्यूरो बुधदिन भोर मे मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल केँ तिहार जेल सँ कोर्ट मे पेश करबाक हेतु ल’ गेल । सीएम क’ दिल्ली केँ राउस एवेन्यू कोर्ट मे पेश कैल गेल। सीबीआई कोर्ट सँ अरविंद केजरीवाल केँ कस्टडी केँ मांग कयने छल , जेकरा कोर्ट स्वीकार क’ लेलक अछि। कोर्ट मे पेश भेला केँ बाद सीबीआई अरविंद केजरीवाल केँ गिरफ्तार क लेलक अछि। सीबीआई केँ याचिका पर कोर्ट प्रोडक्शन वारंट जारी केने छल।
विशेष न्यायाधीश अमिताभ रावत द्वारा केजरीवाल सँ पूछताछ केँ अनुमति देला केँ बाद सीबीआई एहि मामला मे केजरीवाल केँ औपचारिक रूप सँ गिरफ्तार कयने अछि ।