spot_img
Monday, May 4, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिनदी पार करबाक अभ्यास करैत टी-72 टैंक बहल; JCO सहित 5 जवान...

नदी पार करबाक अभ्यास करैत टी-72 टैंक बहल; JCO सहित 5 जवान शहीद, अचानक जल स्तर बढ़ला सँ घटल दुर्घटना

-

Ladakh Tank Mishap: भारत-चीन वास्तविक नियंत्रण रेखा (LC ) केँ लेह-लद्दाख मे अप्रत्याशित घटना मे भारतीय सेना के 5 जवान शहीद भ’ गेला । एहि मे एकटा जूनियर कमीशन ऑफिसर (JCO ) सेहो सम्मलित छथि । सेना केँ एकटा वरिष्ठ अधिकारी शनिदिन समाचार एजेंसी एएनआई केँ सूचना देलनि जे शुक्र केँ रात्रि मे दौलत बेग ओल्डी क्षेत्र मे नदी पार करै लेली टैंक केँ अभ्यास करल जाय रहल छल । एहि अभ्यास केँ क्रम मे अचानक जलक स्तर बढ़य लागल। राति मे 1 बजे भेल एहि दुर्घटना मे टैंक केँ संग सैनिक सेहो बहल गेल।

टी-72 टैंक पर करीब 5 सैनिक सवार छला ।
जेकर बाद भारतीय सेना द्वारा बचाव अभियान प्रारम्भ कयल गेल , लापता सैनिक सभहक खोज कयल गेल। मीडिया रिपोर्ट के अनुसार एखन धरि 5 जवान केँ मृत शरीर नदी सँ निकालल गेल अछि। टी-72 टैंक पर जेसीओ सहित 5 जवान छल जे नदी पार करबाक अभ्यास क’ रहल छला । नदी मे जलस्तर मे अचानक बढ़ोतरी केँ कारण ई घटना घटल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts