नई दिल्ली : भारी बरखा केँ कारण एक के बाद एक घटना -दुर्घटना भ’ रहल अछि। दिल्ली मे हवाई अड्डा खसनाई आ बिहार मे पुल सबके जलमग्न भेनाई केँ बाद आब गुजरात केँ एयरपोर्ट दुर्घटना केँ शिकार भ’ गेल अछि। गुजरात के राजकोट हवाई अड्डा पर आई बेरुपहर मे एकटा पैघ दुर्घटना भेल अछि। एहि ठाम भारी बरखा केँ कारण राजकोट हवाई अड्डा केँ छतक एकटा हिस्सा ढहि क’ खसि पड़ल। बताओल जा रहल अछि जे एयरपोर्ट टर्मिनल केँ बाहर यात्री पिकअप आ ड्रॉप एरिया मे छतरी खसल। एकर शुभारंभ जुलाई २०२३ मे भेल छल । सौभाग्य छल जे दुर्घटनाक समय ओतय कियो मौजूद नहि छल। नहि त’ दिल्ली सन दुर्घटना भ’ सकैत छल।
Trending Now
