नई दिल्ली : भारतीय जनता पार्टी केँ वरिष्ठ नेता लाल कृष्ण आडवाणी केँ बुधदिन राति अपोलो अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। किछु दिन पहिने 96 वर्षीय पूर्व उपप्रधानमंत्री क’ अखिल भारतीय चिकित्सा विज्ञान संस्थान (एम्स) मे ईलाज भेल छल । एम्स मे एक राति रहला क’ बाद हुनका वापस घर आनल गेल छल।
अस्पतालक सूत्र कहलनि जे, आडवाणी केँ स्वास्थ्य केँ हालत स्थिर अछि आ हुनक स्वास्थ्य पर चिकित्सक लोकनिक टीम नजरि रखने छथि। हुनका न्यूरोलॉजी केँ वरिष्ठ सलाहकार डॉ. विनीत सूरी केँ देखरेख मे भर्ती कराओल गेल अछि, सूत्रक कहब अछि जे आडवाणी केँ बुध दिन राति लगभग 9 बजे ईलाज हेतु अपोलो मे भर्ती कराओल गेल अछि ।